बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,०३ गते जेष्ठ ।
विद्यालयके सफाइ कएलापर बियरके खाली बोतल मिललापर नैतिक सबाल उठल हए । रौतहट सदरमुकाम गौर नगरपालिका ८ मे रहल आधारभूत प्राथमिक विद्यालय पुरेनवाके सरसफाइ कएलापर विद्यालय परिसरमे ही बियरके खाली बोतल मिलल हए । साथमे सौचालयके अवस्था भी अत्यन्त दयनीय देखलगेल हए । सौचालयके सफाइमे विद्यालय प्रशासनके ध्यान नगेल देखलगेल हए । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी ९रास्वपा०के वडा नम्बर ८ के अध्यक्ष वीरेन्द्र साहके अगुवाइमे करिब दू दर्जन स्थानीय युवा आ अभिभावकके समूह विद्यालय परिसरके सफाइ कएले हए । विद्यालयके सफाइमे व्यवस्थापन समिति आ विद्यालय प्रशासनके ध्यान नगेल कहइत युवाहरुके समूह स्वतःस्फूर्त किसिमसे विद्यालय परिसरके सफाइ कएलापर बियरके खाली बोतल मिललासे गम्भीर प्रश्न उठल हए । विद्यालय बन्द रहल अवस्थामे समाजके ही कुछ लोग विद्यालय परिसरमे बियर पिएके हर्कत कएले होसकेके सम्भावना रहल हए । विद्याके मन्दिरमे बियरके खाली बोतल मिलनाइ अपनेआपमे दुर्भाग्यके बात रहल स्थानीय बुद्धिजीवीलोगके कहनाम हए ।

