रामअधार यादब,रौतहट,०७ गते जेष्ठ ।

रौतहट प्रहरी दू दिनमे १३ फरार अभियुक्तके नियन्त्रणमे लेबेमे सफल भेल हए । जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट आ मातहतके विभिन्न प्रहरी इकाइसे खटल प्रहरीके टोली फैसला कार्यान्वयन अन्तर्ग विभिन्न मुदामे फरार रहल अभियुक्तके पक्राउ कके सम्मानित रौतहट जिला अदालतमे बुझएले हए ।
पक्राउ परेवालामे चेक अनादर मुदाके देवाही गोनाही नगरपालिका ७ के नितेशकुमार निधि, चेक अनादर मुदामे ही देवाही गोनाही नगरपालिका १ के प्रमोद राय यादव, चेक अनादर मुदामे ही देवाही गोनाही नगरपालिका ९ के राजेश साह रहल हए । अइसही मकैबाली लुटपिट मुदामे फतुवा विजयपुर नगरपालिका ६ के प्रमानन्द राय यादव, खसी चोरी मुदामे ईशनाथ नगरपालिका २ के लालबाबु साह रहल हए । विभिन्न मुदामे कटहरिया नगरपालिकाके ३ जने भी पक्राउ परल हए । पक्राउ परेवालामध्ये चेक अनादर मुदामे कटहरिया नगरपालिका ८ के प्रेमशंकर यादव, चेक अनादर मुदामे ही कटहरिया नगरपालिका ५ के राकेशकुमार गिरी आ लुटपिट मुदामे कटहरिया नगरपालिका ५ के बलिराम महतो कोइरी रहल हए । अइसही आपराधिक उपद्रव सम्बन्धी कसुर मुदामे गुजरा नगरपालिका ५ के बद्री राउत बरै भी पक्राउ परल हए । गाली बेइज्जती आ कुटपिट मुदामे माधव नारायण नगरपालिका ५ के प्रकाशकुमार साह, विन्देश्वरी साह, प्रशान्त कुमार साह आ सत्यनारायण साह रहल जिला प्रहरी कार्यालय निमित्त सुचना अधिकारी प्रहरी निरीक्षक रोहित कुमार शर्मा बढई जानकारी करएले छत ।