बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,१३ गते जेठ ।
बज्जिका भाषाके विकासके क्षेत्रमे सनिच्चर, ९ जेठ एक ऐतिहासिक दिन बनल हए । बज्जिका भाषाके विकास आ चेतना विस्तारमे पहिलबेर काठमान्डुमे भव्य कार्यक्रम आयोजन कएलगेल हए ।
काठमान्डुके कमलादीस्थित नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानके पारिजात कक्षमे सनिच्चरके सबेरे बज्जिका भाषा आ साहित्यके भव्य कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए ।
तत्कालीन बज्जिका भाषा संवाद नेटवर्क काठमान्डु कार्यक्रमके आरम्भमे ही बज्जिका प्रज्ञा प्रतिष्ठान नेपाल, काठमान्डुमे परिणतके घोषणा कएलगेल हए । बज्जिका प्रज्ञा प्रतिष्ठानके अध्यक्ष साहित्यकार इन्द्रजीत सहनीके सभापतित्वमे सुरु भेल कार्यक्रममे उपस्थित सभीके स्वागत करइत संस्थाके सचिव सबिन खनाल कार्यक्रमके आयोजनाके विषयमे स्पष्ट करइत काठमान्डुमे बज्जिका भाषाके नयाँ सबेरा आएल उदघोष कएलन ।

कार्यक्रममे बज्जिकासेवी संजय साह मित्र बज्जिका भाषाके इतिहास, वर्तमान अवस्था आ कार्यक्रमके उदेश्यके उपर प्रकाश पारइत सम्मानित माननीय लोगके बज्जिका भाषाके बारेमे जानकारी करएलन । कार्यक्रममे गायक तथा नायक सोनु कुशवाहा बज्जिकाके गायन क्षेत्रके सुरुआत होगेल कहइत अपन गाएल कुछ गीत भी गुनगुनएलन ।

कार्यक्रममे उपस्थित सर्लाही क्षेत्र नम्बर १ से निर्वाचित माननीय नितिमा भण्डारी कार्की बज्जिका भाषाके बारेमे जानेके मोका मिलल कहइत आगामी दिनमे बज्जिका भाषाके विकासमे अपनासे होसकेवाला सभी किसिमके सहयोग करेला तैयार रहल बतएले छत ।
अइसही सर्लाही क्षेत्र नम्बर २ से निर्वाचित माननीय रबिन महतो बज्जिका भाषामे पठनपाठनके व्यवस्था होनाइ जरुरी रहल बतबइत अपना मातृभाषामे शपथ लेबेके निर्णय कके मातृभाषाके सम्मान कएले बतएले छत । सर्लाही क्षेत्र नम्बर ३ से निर्वाचित माननीय नरेन्द्र साह कलवार अपने मातृभाषा बज्जिकामे संसदमे भी कभीकाल बोलेके प्रतिबद्धता व्यक्त करइत पहिलेसे ही बज्जिका भाषामे सहयोग करते आरहल बतएलन ।

रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ से निर्वाचित माननीय धीरज पटेल विद्यालय तहमे मातृभाषा बज्जिकाके पढाइ होनाइ जरुरी रहल बतएले छत । भाषासे ही संस्कृतिके संरक्षण होखेके होएलासे बज्जिकाके विकास आ संरक्षण महत्वपूर्ण रहल कहइत माननीय पटेल बज्जिकाके विकासके लेल अपने बज्जिका भाषामे भी संसदमे अपन बात राखेके घोषणा कएलन । कार्यक्रममे विशेष कारणसे उपस्थित होखे नसकल रौतहट क्षेत्र नम्बर १ से निर्वाचित माननीय राजेश चौधरीके प्रतिनिधि मार्फत सम्मानित कएलगेल हए ।
सिरहासे चर्चित समाजसेवी रेणु यादवके सौजन्यमे भेल कार्यक्रममे समाजसेवी यादवके भी सम्मानित कएलगेल हए । समाजसेवी यादव रौतहट आ सर्लाहीके शिक्षा, महिलाके अवस्था आ बज्जिका संस्कृतिपर विशेष मन्तव्य देइत सकारात्मक विकासके लेल सहकार्य करनाइ अति जरुरी रहल बतएलन ।
सम्मानित सभी माननीयजी आ रेणु यादवके सम्मानपत्र, दोसल्ला, फूलके मालाके बज्जिकाके विभिन्न पुस्तक अर्पण कएलगेल हए । कार्यक्रममे सम्मानित सभी लोगके सम्मानमे पूरा हल तालीके गडगडाहटसे गुंजाएमान भेल रहे ।
कार्यक्रममे सभी माननीयजी, समाजसेवी रेणु यादव, बज्जिका साहित्य समाज सर्लाहीके अध्यक्ष रामचन्द्र महतो, बज्जिका साहित्य संगम रौतहटके अध्यक्ष किशुनदयाल श्रीकृष्ण, चर्चित वरिष्ठ पत्रकार ऋषि धमला आ साहित्यकार इन्द्रजीत सहनीसमेत संयुक्त रुपसे कलमेसे क्रान्ति बज्जिका नाटक कृतिके लोकार्पण कएले छत । नाटकके सर्जक साहित्यकार इन्द्रजीत सहनी रहल छत । हमनीके समाजमे शिक्षाके महत्वके विषयपर नाटक लिखलगेल साहित्यकार सहनीके कहनाम हए ।
कार्यक्रममे प्रा.डा. घनश्याम ठाकुर, डा. कमलेश्र सिन्हा, चर्चित वरिष्ठ पत्रकार ऋषि धमला, बज्जिका साहित्यकार बिन्दा साहनी, अनिता–शिव प्रतिष्ठान अन्तर्राष्ट्रिय बज्जिका सर्वोच्च कृति पुरस्कारके संस्थापक शिवचन्द्र साह, गायिका अंजली पटेल, साहित्यकार शिवचन्द्र प्रसाद साह, विराटनगरके प्रितमलगायतके लोग मन्तव्य व्यक्त करइत बज्जिका भाषा आ साहित्यके साथे संस्कृतिके विकासमे ठोस काम करनाइ जरुरी रहल बतएलन ।
वरिष्ठ पत्रकार धमला आगामी दिनमे प्राइम टेलिभिजनसे बज्जिका, भोजपुरी आ मैथिलीमे कार्यक्रम संचालनके प्रतिबद्धता व्यक्त करइत बज्जिका, मैथली आ भोजपुरीमे कार्यक्रम संचालन करेके संयोजन करेला कार्यक्रमके संचालक पत्रकार आ गायक–कलाकार कुमार चन्दनके निर्देशन भी देले छत । कार्यक्रममे पत्रकार धमला अपने बज्जिका भाषा भी बोलेला सिखरहल जानकारी करएले छत ।
कार्यक्रममे गोरखापत्र राष्ट्रिय दैनिकके कार्यकारी सम्पादक कुमार विवेकानन्द मिश्र, एभिएस कलेजके संचालक डा. रामलाल साह, डा. गोविन्द कुमार साह, डा. विनोद गुप्ता, बज्जिकांचल मिडिया नेटवर्क प्रालिके संस्थापक पत्रकार राजुकुमार श्रीवास्तव, गायक तथा नायक विजय यादव निर्बिज, साहित्यकार सपुत बहादुर कार्की, नवसर्जक साहित्य चौतारी नेपाल मधेश प्रदेशके अध्यक्ष अभिजीत राम, चर्चित पत्रकार अमन कोइराला, गायक तथा कोरियोग्राफर जितेन्द्र प्रजापति, युवा अभियन्ता युवराज मुखिया, राजनीतिकर्मी शेख सगिर, लेखक रोशन झा,सहित लब्ध प्रतिष्ठित लोगके गरिमामय सहभागिता रहल रहे । कार्यक्रममे करिब डेढ सयसे बेसी लोगके सहभागिता रहल रहे ।
औपचारिक कार्यक्रमके तुरन्त बाद बज्जिका प्रज्ञा प्रतिष्ठानके कार्यसमितिके चयन कएलगेल हए । साहित्यकार इन्द्रजीत सहनीके अध्यक्षतामे गठित कार्य समितिमे उपाध्यक्ष अंजली पटेल, सचिवमे सबिन खनाल, सहसचिवमे कुमार चन्दन, कोषाध्यक्षमे मोनिका महतो, सदस्यमे नरेन्द्र यादव, नीरज रेग्मी, अभिजीत राम, सृष्टि गुप्ता, प्रशान्त पासवान, शिवचन्द्र प्रसाद साह, सचिन्द्र सहनी आ मेरिना साहके चयन कएलगेल हए ।
नवगठित समितिके ओरसे बज्जिका प्रज्ञा प्रतिष्ठानके विधान बनाके बहुत जल्दी जिला प्रशासन कार्यालय काठमान्डुमे संस्था दर्ता करेके भी निर्णय कएलगेल हए । दर्ता करएलाके बाद संस्थाके आउर सक्रिय बनाबेला भी रणनीति तैयार होरहल अध्यक्ष सहनीके कहनाम हए ।
अइसही बज्जिका कला समिति भी गठन कएलगेल हए । गायक तथा नायक सोनु कुशवाहाके अध्यक्षतामे गठित बज्जिका कला समितिमे उपाध्यक्ष विजय यादव निर्बिजसहित सात सदस्यीय रहल जानकारी कराएलगेल हए ।
काठमान्डुमे भेल पहिल कार्यक्रमसे बज्जिका भाषा आ साहित्यके साथे संस्कृतिके क्षेत्रमे नयाँ युगके विकास होखेके विश्वास कएलगेल हए । एभिएस कलेज काठमान्डु, बज्जिका विरासत कम्पनी काठमान्डु, त्रिमूर्ति एकेडेमी काठमान्डु भी कार्यक्रमके आकर्षण रहइत कार्यक्रमके गरिमा बढएले रहे । कार्यक्रममे सहभागी सभीके अध्यक्ष सहनीके साथे बज्जिका भाषा विकास परिषद नेपालके अध्यक्ष शिवचन्द्र साह धन्यवाद ज्ञापन कएले रहलन ।

