बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,०३ गते जेष्ठ ।

सर्लाहीके लालबन्दी नगरपालिका १७ रानीगन्ज क्षेत्रमे रहल कालिन्जोर नदीके उत्खननके विषयमे उजरी परलापर अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगके रुचि बढल हए । लालबन्दी नगरपालिका नदीजन्य पदार्थके उत्खननके लेल ठेक्क लगएले रहे लेकिन मापदन्ड विपरीत उत्खनन होरहल कहइत उजरी परलापर अख्तियारके रुचि देखलगेल हए । रानीगन्जके एक स्थानीयवासी अख्तियारमे उजरी देले रहे । उजरी परलापर अख्तियारके प्राविधिकसहितके टोली कालिन्जोर नदीतक पुगके स्थलगत नापजाँच आ निरीक्षण कएले हए । कालिन्जोर नदी उत्खननके लागि सिन्धुलीके कुण्डलिनी कन्स्ट्रक्सनके ठेक्का मिलल रहे । अख्तियारमे उजरी परलाके बाद लालबन्दी नगरपालिकाके प्राविधिक टोली भी उत्खनन कएलगेल क्षेत्रके दू दिनसे नापजाँच कररहल हए । ठेक्कामे उलेख कएलगेल परिमाणके मोताबिक उत्खनन भेल चाहे नभेल विषयके नापजाँच चलरहल लालबन्दी नगरपालिकाके इन्जिनियर रोशन पण्डितके कहनाम हए । लालबन्दी नगरपालिका कालिन्जोर नदीके तिनगो नाकासे उत्खननके अनुमति देले रहे । नापजाँच चलरहल अवस्थामे नदीके उत्खननके काम रोकलगेल हए ।