बज्जिकाञ्चल संवाददाता्,कार्तिक १६ गते।

बाराके कोल्हवी नगरपालिका–१ स्थित मठवा इलाकामे भारत से अवैध रूपसे नेपाल भितर घुसावल गेल २४ कार्टुन मुर्गीके बच्चाके सशस्त्र प्रहरी बरामद करके नष्ट कएले हए।

सशस्त्र प्रहरी बल सुरक्षा बेस कोल्हवी से प्रहरी सहायक निरीक्षक सई० रामाअयोध्या महतोके कमाण्डमे खटल गस्ती टोली विशेष सूचना के आधार पर सोमारके भोरे करीब ५ बजके १० मिनटमे तामागढी सड़क खण्डके मठवा से उ मुर्गीके बच्चासभके नियन्त्रणमे लेले रहे।


भारत से तीन गो साइकल पर लादके अवैध रूपसे नेपाल ओर आरहल २४ कार्टुन मुर्गीके बच्चा गस्ती टोली बरामद कएले हए। बरामद बच्चासभके अनुमानित मूल्य २ लाख ४० हजार रुपइया रहल बतावल गेल हए।

नियन्त्रणमे लेल गेल बच्चासभके पशु क्वारेन्टाइन चेकपोस्ट मटिअर्वा, बारासे खटल प्रतिनिधि बिनोद यादव, कोल्हवी नगरपालिका–१ के वडाध्यक्ष राजहरण चौधरी, अनुसन्धानकर्मी जंगबहादुर चौधरी, सञ्चारकर्मी आउर राजनीतिकर्मी भुवन चौधरी लगायत स्थानीय भद्रभलादमीके रोहबरमे खदिया खनके गाड़ल गेल आउर नष्ट कएल गेल।

नेपाल सरकार पक्षी आउरी पक्षीजन्य पदार्थके अवैध पैठारी पर प्रतिबन्ध लगवले रहे । बाकि भारत से लुकाछिपाके मुर्गीके बच्चाके नेपाल भितर घुसावेके घटना सीमा क्षेत्रमे अबहियो जारी रहल जनकारी देले हए।

ओइसही अवैध ओसारपसार से स्थानीय कुखुरापालन व्यवसाय पर असर पड़ेके साथे पशुपन्छीमे विभिन्न किसिमके रोग फइलेके जोखिम रहल हए । ओही चलते सीमा क्षेत्रमे सुरक्षा निगरानी आउरी कड़ा करेके जरूरी देखल गेल हए।