बज्जिकाञ्चल संवाददाता्,रौतहट, कार्तिक १६ गते।
रौतहट पुलिस कटहरिया बजारसे नशालु दवाई नाइट्राजेपामके २२० गो ट्याब्लेट सहित एगो भारतीय किशोरके गिरफ्तार कएले हए।
कटहरिया नगरपालिका–५ स्थित कटहरिया बजारमे कोठा भाड़ा लेके रहइत भारतके बिहार राज्य, सीतामढ़ी जिला अन्तर्गत भलुआहा गाँव निवासी १९ वर्षीय शिवम महतोके पुलिस गिरफ्तार कएले हए।

मोटरसाइकल पर मिठाई बेचके गुजारा चलावेवाला महतोके कोठामे नशालु दवाई लुकाके रखल गेल विशेष सूचना पुलिसके मिलल रहे। ओही सूचना के आधार पर एतवार राति करीब १० बजके ४५ मिनटमे इलाका प्रहरी कार्यालय कटहरियासे खटल पुलिस टोली उनकर कोठामे छापामारी कएले रहे।

छापामारीके दौरान पुलिस महतोके कोठासे Nitrazepam Tablet i.p 10 mg (I-SPAM 10 mg) न० के २२ पत्ता बरामद कएले हए। हर पत्तामे १० गो ट्याब्लेटके हिसाब से कुल २२० गो ट्याब्लेट बरामद भेल हए।

जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके अनुसार, बरामद नशालु दवाई सहित महतोके नियन्त्रणमे लेल गेल हए। पुलिस उपरीक्षक ९डीएसपी० बसन्त गौतम ई जानकारी देइत लागूऔषध सम्बन्धी कसुरमे उनकरा उपर आगेके अनुसन्धान शुरू कएल गेल बतवले बाड़न।सभार तराइ टप

