रामअधार यादव, रौतहट, कार्तिक २० गते।
रौतहटके कटहरिया नगरपालिका–९ स्थित श्री माध्यमिक विद्यालय डुमरियाके प्राङ्गणमे डुमरिया युथ क्लबके आयोजनामे हाजिरीजवाब प्रतियोगिता भव्य रूपसे सम्पन्न भेल हए ।

विद्यार्थीसभके बौद्धिक क्षमता, सामान्य ज्ञान, तार्किक सोच आ भीतर छुपल प्रतिभाके विकास करेके उद्देश्यसे आयोजना कएल गेल प्रतियोगितामे अलग-अलग विद्यालयके छात्रछात्रासभ उत्साहपूर्वक भाग लेले रहलन।

प्रतियोगितामे रौतहट जिल्लाके अलग-अलग स्थानके १२ गो विद्यालयके छात्रछात्रासभ भाग लेले रहलन। प्रतियोगितामे सहभागी १२ गो विद्यालयमे से उत्कृष्ट प्रदर्शन करैत तीन गो विद्यालयके विद्यार्थीसभ मात्र पहिल, दोसरा आ तेसरा स्थान हासिल करेमे सफल भेलन ।

प्रतियोगितामे श्री माध्यमिक विद्यालय गरुडाके विद्यार्थीसभ पहिल स्थान हासिल कएलन। ओही तरह कटहरिया नगरपालिका–१ स्थित श्री माध्यमिक विद्यालय भसेढवाके विद्यार्थीसभ दोसरा स्थान प्राप्त कएलन, जबकि मौलापुर स्थित श्री जय माँ जानकी बोर्डिङ स्कुलके विद्यार्थीसभ तेसरा स्थान हासिल कएलन।

प्रतियोगितामे पहिल, दोसरा आ तेसरा स्थान प्राप्त करेवाला विद्यालयके विद्यार्थीसभके मायाके चिन्ह आ प्रशंसा पत्र देवेके साथे गमछा ओढ़ाके सम्मानित कएल गेल हए । प्रमुख अतिथि नेपाली कांग्रेसके नेता आ रौतहट निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ से प्रतिनिधिसभा सदस्य पदके प्रत्याशी उम्मेदवार रामकृपाल यादव विजेता विद्यार्थीसभके मायाके चिन्ह आ प्रशंसा पत्र प्रदान कएलगेल हए ।

कार्यक्रममे रामकृपाल यादव प्रमुख अतिथिके रूपमे उपस्थित रहलन, पूर्व वडा अध्यक्ष रामज्ञा यादव विशिष्ट अतिथिके रूपमे सहभागी रहलन। कार्यक्रमके अध्यक्षता कटहरिया नगरपालिका–९ के वडा अध्यक्ष रुपेश कुमार यादव कएले रहे ।

ओहीसही विशेष अतिथिके रूपमे श्री माध्यमिक विद्यालय भसेढवाके प्रधानाध्यापक कपिलदेव राय यादव, श्री माध्यमिक विद्यालय बलरामपुरके प्रधानाध्यापक अनिल निधि, श्री माध्यमिक विद्यालय बगहीके शिक्षक जयलाल यादव आ श्री माध्यमिक विद्यालय हथियाही डुमरियाके प्रधानाध्यापक नवलकिशोर ठाकुर लगायतके उपस्थिति रहल रहे ।

कार्यक्रममे डुमरिया युथ क्लबके संस्थापक गन्धीर यादव, क्लबके अध्यक्ष गुडु कुमार साह लगायत क्लबके पदाधिकारी आ सदस्यसभके उल्लेखनीय सहभागिता रहल रहे ।
![]()
कार्यक्रमके सञ्चालन समाजसेवी राजेश यादव आ क्लबके संस्थापक गन्धीर यादव कएले रहे । दुनू जने कार्यक्रमके व्यवस्थित आ प्रभावकारी ढंगसे आगे बढ़ावेमे सहयोग कएलन।
![]()
विद्यार्थीसभमे किताबी ज्ञानके साथे व्यवहारिक ज्ञान, आत्मविश्वास, तार्किक क्षमता आ प्रतिस्पर्धाके भावना विकसित करेके उद्देश्यसे प्रतियोगिता आयोजना कएल गेल आयोजक जनवले हए ।
![]()
कार्यक्रमके अन्तमे डुमरिया युथ क्लब प्रतियोगिता सफल बनावेमे सहयोग करेवाला सम्पूर्ण अतिथि, शिक्षक, विद्यार्थी, विद्यालय परिवार आ सहयोगीसभके धन्यवाद देइत आभार प्रकट कएले हए ।

