शिक्षक समाजके सही रास्ता आ बाट देखावेवाला सम्मानित आ मर्यादित पेशा हए। ई बात राष्ट्रिय शिक्षक मञ्च, रौतहटके अध्यक्ष तथा अनुभवी शिक्षक शिवशंकर झाले बतौलन। राष्ट्रिय शिक्षक मञ्च, रौतहटके अध्यक्ष शिवशंकर झासँ बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे प्रस्तोता आरके श्रीवास्तव विशेष बातचीत करत हुनकर शिक्षण यात्रा आ शिक्षक पेशामे रहल अनुभवके बारेमे जानकारी लेलन।

झाके अनुसार हुनकर प्रारम्भिक पढाइ स्थानीय श्री आदर्श विद्यालयसँ सुरु भेल रहे। ओकराबाद श्री सरस्वती उच्च माध्यमिक विद्यालय, पिपरा भेलोहियामे कक्षा ६ मे नाम लिखाके ओही विद्यालयसँ उच्च शिक्षासम्मके पढाइ पूरा कएलन। विद्यार्थी जीवनमे शिक्षकप्रति समाजमे रहल सम्मान आ शिक्षकके सामाजिक भूमिकासँ झा बहुत प्रभावित भेल रहलन।

शिक्षक खाली किताब पढावेवाला व्यक्ति नहिए, बल्कि विद्यार्थी आ समाजके सही रास्ता देखावेवाला मार्गदर्शक हए, ई भावना हुनकर मनमे विद्यार्थी जीवनसँ बनल रहे। एही कारण बादमे अपन सेहो शिक्षक बनेके चाहलन। ई सोच हुनकर मनमे पैदा भेल रहे आ एही सोचके कारण ओ शिक्षण पेशामे प्रवेश कएलन।

झाके शिक्षण यात्रा संस्थागत विद्यालयसँ सुरु भेल रहे। गाँवमे ट्युशन पढावेवाला श्री चन्द्रकुट झा आ इंग्लिस बोर्डिङ स्कुलके संस्थापक तथा प्रधानाध्यापक रामधारी यादवसँ हुनकर विद्यार्थी जीवनमे परिचय रहल रहे। कक्षा ५–६ मे यादवसँ ट्युशन पढके झा एसएलसी पास कएलन।

कक्षा ११ मे पढैत समय रामधारी यादवके आग्रहपर ओही बोर्डिङ स्कुलमे पढावेके मौका मिलल। ओ समय घर-परिवारके अवस्था आ अपन जरूरत पूरा करेके समस्या रहल रहे। एही परिस्थिति मे रामधारी यादवके आग्रह स्वीकार करके झा बोर्डिङ स्कुलमे पढावेके काम सुरु कएलन।

बोर्डिङ स्कुलमे पढावेके समय शिक्षा क्षेत्रमे आगू बढ़ेके अवसर मिलल। विद्यार्थीके पढावेसे हुनका आत्मसन्तुष्टि मिलैत रहे। विद्यार्थीके पढाइमे सहयोग करके हुनकर भविष्य बनावेमे योगदान देवेके अवसर मिललासँ झाके शिक्षण पेशाप्रति रुचि आ जिम्मेवारी दिनप्रतिदिन बढ़ैत गेल।

तत्कालीन सखुवाहा गाविसअन्तर्गत श्री देवी माध्यमिक विद्यालयमे निजी स्रोत शिक्षकके रूपमे एक वर्ष नेपाली विषय पढौलन। एक वर्ष पढावेके बाद संस्कृत माध्यमिक विद्यालय, मठसेमरीमे अस्थायी शिक्षकके खाली पदपर आवेदन दके परीक्षा देलन।

परीक्षा पास कएलाके कुछ समय बाद नेपाल सरकारके अस्थायी दरबन्दीमे शिक्षकके रूपमे पढावेके काम सुरु कएलन, झा बतौलन। एही क्रममे शिक्षण पेशामे हुनकर यात्रा आगू बढ़ैत गेल आ शिक्षकके रूपमे समाज तथा विद्यार्थीके सेवा करेके अवसर मिलैत रहल।

शिक्षक पेशा अपनावेके पछाडि विद्यार्थी जीवनमे शिक्षकप्रति देखल सम्मान, शिक्षकके सामाजिक भूमिका आ विद्यार्थीके जीवनमे शिक्षकके प्रभाव मुख्य कारण रहल, झा बतौलन। हुनकर विचारमे शिक्षक समाजके सही दिशा देखावेवाला मार्गदर्शक हए आ शिक्षकके जिम्मेवारी विद्यार्थीके भविष्य निर्माणसँ सीधा जुड़ल हए।