रामअधार यादव , रौतहट, असिन, १२ गते ।

रौतहटके कटहरिया नगरपालिका–९ डुमरियासे पलटुवा जएबाला मुख्य सडकअन्तर्गत परल तरहारी नदीमे पुल नहए वर्षौंसे स्थानीयवासी आ किसान आवतजावतमे बरका समस्या भोग्दै आएल हए। पुलके अभावमे डुमरिया गाउँके करिब ७ सय बिघा कृषि क्षेत्र प्रभावित होएलाके साथे नदीपारि बसोबास करेके करिब १ सय घरपरिवार समेत दैनिक आवतजावतमे कठिनाइ भोगले बाध्य हए।

स्थानीय भोला यादवके अनुसार तरहारी नदीमे पानीके बहाव बढलाके बाद समस्या झनै गम्भीर होए लागल हए। नदीमे पानी आएलाके बाद नदीपारि बस्ने करिब १ सय घरपरिवारके दैनिक उपभोग्य वस्तु, खाद्यान्न, कृषि सामग्री आ अन्य आवश्यक सामान ओसारपसार करेके निकै कठिन होएल करएले हुन बतएलन।

वर्षायाममे नदीमे पानी बढईर् पैदल हिँड्न आ मोटरसाइकल, साइकललगायतके सवारीसाधनसे वारपार करेके जोखिमपूर्ण होएल कएले स्थानीयके कहनाम हए। आवश्यक खाद्यान्न आ अन्य सामग्री खरिद करेके बजारतक पुग्नसमेत स्थानीय समस्या भोग्नुपरेके बतएले हए। तईसने डुमरिया गाउँके किसानके लेल समेत पुल नोएल खेतीपातीमे प्रत्यक्ष असर परल हए।

करिब ७ सय बिघा कृषि क्षेत्र रहल बतएलन स्थानीय खेतमे मल, बीउ, औजार आ अन्य कृषि सामग्री पुगएले आ उत्पादन भेल अन्नबाली बजारतक लेयाएल कठिनाइ होएल करएले बतएले हए। स्थानीयके अनुसार २०७९ सालके स्थानीय तह निर्वाचनके बाद जनप्रतिनिधिसबके बार–बार पुल निर्माणके माग राखईत आएल भि हालतक ठोस पहल होए सकल हए ।

समस्या समाधानके लेल सम्बन्धित निकाय आ जनप्रतिनिधिके बार–बार जानकारी करएले भि अपनसबके समस्या सम्बोधन नभेल स्थानीयके गुनासो हए। स्थानीयवासीके अनुसार तरहारी नदीमे पुल निर्माण भेल डुमरिया, पलटुवा आ आसपासके बस्तीके नागरिकके आवतजावतमे सहज होएलाके साथे किसानके कृषि उत्पादनके बजारीकरणमे समेत बरका सहयोग पुगएले।

स्थानीय भोला यादव स्थानीय सरकार, मधेश प्रदेश सरकार आ प्रतिनिधिसभा सदस्यसबके तत्काल ध्यानाकर्षण करएले तरहारी नदीमे पक्की पुल निर्माणके प्रक्रिया अगाडि बढएले आग्रह करएले हए। स्थानीयवासी वर्षायाममे होएल जोखिम आ दैनिेक जीवनमे देखले समस्याके मध्यनजर करेके पुल निर्माणके प्राथमिकतामे राखके सम्बन्धित निकायसँघे माग करएले हए।

हुनसबके कहनाममे पुल निर्माण अब विकासके विषय मात्र नभई करिब १ सय घरपरिवारके दैनिक जीवन आ सयौँ किसानके कृषि पेशासँघे जोडले अत्यावश्यक आवश्यकता बनएले हए।