बज्जिकाञ्चल संवाददाता, रौतहट ।
कटहरिया नगरपालिका–२ के तत्कालीन नेकपा माओवादी केन्द्रके स्थानीय नेता तथा वडा अध्यक्षके सम्भावित उम्मेदवार रामाकान्त चौरसियाले अपन विगतमे स्थानीय विकास निर्माण आ सामाजिक अभियानमे महत्वपूर्ण भूमिका निभवलेके बतएले छत ।

शनिचरके दिन बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे प्रस्तोता आरके श्रीवास्तवसँघे बातचित करईत चौरसिया कटहरिया जनता माध्यमिक विद्यालयके भवन निर्माणके लेल अपन नेतृत्वमे करीब ५० लाख रुपइयाके स्रोत जुटावेमे भूमिका निभाबेके जानकारी देलन । हुन बतएलन कि विद्यालय भवन निर्माणके काममे विभिन्न राजनीतिक दलमे आबद्ध व्यक्ति आ स्थानीय समाजके सदस्यसबके सहयोग रहल ।

अपन विद्यालयके विकासके लेल देल योगदानके बारेमे तत्कालीन निर्माण समितिके पदाधिकारी तथा सम्बन्धित व्यक्तिसबसे जानकारी लेल जा सकईत हए, हुन कहलन । ओही लेखा नेपाल बरई चौरसिया कल्याण सेवा समितिके अध्यक्षके जिम्मेवारी पवला के बाद शिवनगरमे करीब तीन कठ्ठा जग्गा खरिद कके धर्मशाला निर्माणके अभियान आगे बढावल गेल, चौरसिया बतएलन । जग्गा खरिदके प्रक्रिया पूरा हो चुकल आ अब रजिष्ट्रेसनके काम बाँकी रहल जानकारी देइत हुन संस्थाके खातामे रकम जम्मा करके अभियानमे सहयोग करेके लेल सबसे आग्रह कएलन ।

चौरसियाके अनुसार आगामी असीन १५ गते धरि जग्गा रजिष्ट्रेसनके प्रक्रिया पूरा करेके लक्ष्य राखल गेल हए । धर्मशाला निर्माण अभियानके लेल समाजके विभिन्न व्यक्तिसे आर्थिक सहयोग प्राप्त होरहल बतएलन हुन सहयोग करेवाला सभप्रति आभार व्यक्त कएलन । राजनीतिक विषयमे बात करईत चौरसिया आगामी निर्वाचनमे कटहरिया नगरपालिका–२ के वडा अध्यक्ष पदमे उम्मेदवारी देबे के पार्टीके अन्य जिम्मेवारी निभावे, ई विषय पार्टीके निर्णयपर निर्भर रहल बतएलन । पार्टी जे जिम्मेवारी देईत, ओहीके स्वीकार करके अपन आगे बढईत रहब, हुनकर कहनाम रहल हए । अन्तर्वार्ताके क्रममे चौरसिया नेपालके राजनीतिक परिवर्तन, संघीयता आ समावेशिताके विषयमे सेहो अपन धारणा राखलन ।

नेकपा माओवादी केन्द्रके नेतृत्वमे भेल राजनीतिक आन्दोलन तथा सरकारके विभिन्न गतिविधिसे संघीयता, समावेशिता आ विभिन्न अधिकार स्थापित करेमे योगदान पुगलेके हुनकर दाबी रहल हए ।

भ्रष्टाचारविरुद्धके अभियानके प्रभावकारी बनावेके जरूरत रहलपर जोर देइत चौरसिया राजनीतिक दल आ नेतृत्व जनताप्रति अउर जिम्मेवार बनेके बतएलन । देशके समग्र विकासके लेल आगामी दिनमे राजनीतिक तथा सामाजिक अभियानमार्फत सक्रिय रूपमे आगे बढेके प्रतिबद्धता सेहो हुन व्यक्त कएलन ।कार्यक्रमके दौरान चौरसिया बज्जिकाञ्चल एफएम व्यापार, राजनीति, शिक्षा, स्वास्थ्य लगायत विभिन्न क्षेत्रके विषय समेटके कार्यक्रम सञ्चालन करइत आ रहल बतवईत सञ्चारमाध्यमके निरन्तर प्रगतिके शुभकामना सेहो देलन ।

