आरके श्रीवास्तव, रौतहट, असोज ११ गते ।
कटहरिया बजारमे दुर्गा पूजा व्यवस्थापन, बजारके व्यवस्थापन तथा जरूरी पूर्वाधार सुधारके विषयमे महत्वपूर्ण छलफल भेल हए ।
स्थानीयवासीके गुनासो आ बजारमे रहल समस्या समाधान करेके उद्देश्यसे आयोजित छलफलमे ई साल दुर्गा पूजा क्षेत्रके सजावटसे लेके पार्किङ व्यवस्थापन लगाएत विभिन्न विषयपर योजना बनावेके बारेमे छलफल कएल गेल हए ।

स्थानीयवासीसबके अनुसार विगतमे दुर्गा पूजा आयोजनके लेल उल्लेख्य रूपमे चन्दा संकलन भेला के बावजूद ओही अनुसार मन्दिर तथा आसपासके क्षेत्रमे अपेक्षाअनुसार सजावट न होसकल गुनासो रहल हए । ओही गुनासोके ध्यानमे राखईत ई साल बौद्धी माता मन्दिरसे इलाका प्रहरी कार्यालय लगाएत विशेष सजावट करेके तयारी आगे बढावल गेल हए ।

छलफलमे कटहरिया बजारस्थित विवाह भवनके बाहर रहल टावर लाइट लमहर समयसे सञ्चालनमे न रहल समस्या समाधान करेके जरूरी बत्ती परिवर्तन करईत फेरसे सञ्चालनमे लेआवेके विषयमे सेहो निर्णय भेल बतावल गेल हए । एकरा संघे सजावट न भेल अन्य सडक तथा प्रमुख स्थानसबमे जरूरतअनुसार बत्ती आ सजावटके व्यवस्था करेके बारेमे सेहो छलफल भेल हए ।

ओही लेखा कटहरिया बजारमे लमहर समयसे देखाइ दे रहल पार्किङके समस्या समाधान करेके लेल व्यवस्थित पार्किङ क्षेत्रके व्यवस्थापन करेके विषयके प्राथमिकतामे राखल गेल हए । सडक व्यवस्थापन तथा बजारके आ व्यवस्थित बनावेके लेल जरूरी योजना तैयार करेके विषयमे सेहो छलफल भेल बतावल गेल हए ।

छलफलमे “चाडपर्व खाली मनावेके न बल्कि व्यवस्थित, सुरक्षित, सुन्दर आ उज्जर कटहरिया बनावेके” उद्देश्य राखइत स्थानीयवासीके गुनासा तथा सुझावके प्राथमिकतामे राखेके जरूरी काम क्रमशः आगे बढावेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल हए ।

बैठक तथा छलफलसे भेल निर्णयके बारेमे जेनजी युवा नेता सोनु कुशवाहा जानकारी देले छत । हुन दुर्गा पूजा भव्य रूपमे सम्पन्न करेके संघे कटहरिया बजारके व्यवस्थित बनावेके लेल सब पक्षके सहयोग आ सहभागिता जरूरी रहल बतएलन । “दुर्गा पूजा भव्य बनाबेके कटहरिया बजार व्यवस्थित बनाबेके—हमर बजार, हमर जिम्मेवारी” जबकि भावनाके संघे बजार व्यवस्थापन तथा पूर्वाधार सुधारके काम आगे बढावेके तयारी कएल जा रहल हए ।

