सागर संगम ठाकुर, रौतहट, असोज ४ गते ।
रौतहटके कटहरियासँघे प्रसारण होईत बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्ज अपन स्टुडियोमे सीमित प्रसारणके विस्तार करईत आब गाव–गाव, टोला–टोला आ चोक–चोकमे पुगके श्रोता तथा स्थानीय नागरिकसँघे प्रत्यक्ष संवाद करेके अभियानके निरन्तरता दे रहल हए ।

क्यूरी मसालाके तर्फसे बज्जिकाञ्चल एफएमके लेल विशेष कार्यक्रम प्रायोजन कएल गेलाके बाद एफएमके सम्पूर्ण टोली पछिला समय जनतामाझ पुगके कार्यक्रम सञ्चालन करईत आएल हए । क्यूरी मसालाके बिजनेस पार्टनर तथा कटहरिया स्थित निराला जेनरल स्टोरके सहकार्य मे हर शुकरके दुपहर ३ः१५ बजेसँघे ४ बजेतक ‘क्यूरी संवाद’ कार्यक्रम सञ्चालन होईत आएल हए ।

 

 

कार्यक्रमके प्रस्तोता राजेश निर्माणी रहल हए । उहाँके बज्जिकाञ्चल एफएमके सम्पूर्ण टोली साथ देईत आएल हए । शुकरके रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिका–४ स्थित टेग्राहामे ‘क्यूरी संवाद’ कार्यक्रम सञ्चालन कएल गेल हए । कार्यक्रममे सहभागी स्थानीय श्रोतासँघे दैनिक भान्सामे प्रयोग होए वाला सामग्री, खाना बनावेके विधि तथा क्यूरी मसालासँघे सम्बन्धित विभिन्न प्रश्न पूछल गेल रहे ।

सही जवाफ देवे वाला श्रोताके क्यूरी मसालाके तर्फसे तत्काल हाथके हाथ पुरस्कार प्रदान कएल गेल हए ।कार्यक्रमके माध्यमसे मनोरञ्जनके साथे–साथ दैनिक जीवनमे उपयोगी जानकारी देवेके प्रयास कएल जा रहल बज्जिकाञ्चल एफएम जनएले हए । कार्यक्रममे गणेश यादव, रामहज्ञा जयसवाल, सरस्वतिया देवी, सुरेश यादव, जयप्रकाश यादव, जमाहिर राय यादव, रौशनी कुमारी यादव, भग्वतिया देवी, निकेश यादव, अमित कुमार यादव, रामकुमार यादव, राजाबाबु यादव लगायत स्थानीय श्रोताके सहभागिता रहल रहे । विद्यार्थीमे निरु कुमारी यादव, कृष्ण कुमार यादव आ सन्तु कुमारी यादव लगायतके हुन सहभागिता रहल रहे ।

बज्जिकाञ्चल मिडिया प्रा.लि.के सञ्चालक आरके श्रीवास्तव एफएम स्टुडियोमे मात्र सीमित नरहके प्रत्यक्ष रूपमे जनतामाझ पुगके हुनसबके बात सुनलन तथा स्थानीय समुदायसँघे प्रत्यक्ष सम्बन्ध स्थापित करेके उद्देश्यसे अइसन कार्यक्रम सुरु कएल गेल बतएलन । हुनके अनुसार टेग्राहामे सञ्चालन कएल गेल कार्यक्रमके प्रत्यक्ष प्रसारण बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जसे कएल गेल रहे ।

एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव सञ्चारमाध्यमके वास्तविक शक्ति जनतासँघेके प्रत्यक्ष सम्बन्ध रहल बतवईत गाव–टोलामे पुगके श्रोताके कार्यक्रमसँद्दे जोडेके प्रयास कएल जा रहल जानकारी देलन । हुन स्थानीय समुदायके समस्या, जिज्ञासा आ प्रतिभाके रेडियोके माध्यमसे थप उजागर करइत जाएके बतएलन ।

ईहे अवसरमे एफएमके स्टेशन म्यानेजर सागर संगम ठाकुर बज्जिकाञ्चल एफएमसे प्रसारण होईत विभिन्न कार्यक्रमके बारेमे उपस्थित श्रोता तथा स्थानीय नागरिकके जानकारी देलन । हुन हर शनिचरके सबेरे ११ बजेसँघे १२ बजेतक ‘ब्रेन चेक’, शनिचरके दुपहर ३ः१५ बजेसे ४ बजेतक ‘पुरस्कार ५००’, एतवार सबेरे ११ बजेसे १२ बजेतक ‘उत्कृष्ट विचार’, एतवार दुपहरके ३ः१५ बजेसे ४ बजेतक ‘सुनाई अपन प्रतिभा’ तथा साँझ ५ बजेसे ६ बजेतक ‘हम बानी बुझकर’ कार्यक्रम प्रसारण होईत आएल जानकारी देलन ।

हुन सब श्रोताके कार्यक्रममे सहभागी होएके अनुरोध कएलन । ओही लेखा क्यूरी मसालाके बिजनेस पार्टनर निराला जेनरल स्टोर कटहरियाके सञ्चालक महाशक्ति निराला स्थानीय उपभोक्ता तथा श्रोतासँघे प्रत्यक्ष रूपमे जोडिन पावल कार्यक्रमके महत्वपूर्ण पक्ष रहल बतएलन ।

हुन क्यूरी मसालाके गुणस्तर आ प्रयोगसम्बन्धी जानकारी उपभोक्तातक पहुँचावेके साथे मनोरञ्जनात्मक कार्यक्रमके माध्यमसे स्थानीय समुदायसँघे आत्मीय सम्बन्ध स्थापित करेके उद्देश्यसे बज्जिकाञ्चल एफएमसँघे सहकार्य कएल गेल बतएलन ।

बज्जिकाञ्चल एफएमसे स्थानीय श्रोता, उपभोक्ता तथा नागरिकके प्रत्यक्ष रूपमे कार्यक्रमसँघे जोडके स्थानीय प्रतिभा, समस्या आ जिज्ञासाके प्राथमिकतासँघे उठावेके अभियानके निरन्तरता देईत रहल जनएलन हए ।