सागर संगम ठाकुर, रौतहट, असोज ४ गते ।
रौतहटके कटहरियासे प्रसारण होइत बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जसे हर शनिचरके प्रसारण होईत आएल लोकप्रिय बौद्धिक कार्यक्रम ‘ब्रेन चेक’ के विजेता प्रविन गुप्ताके पुरस्कार प्रदान कएल गेल हए ।

बितल शनिचरके कार्यक्रममे उत्कृष्ट प्रदर्शन करैत विजेता बनल बारा जिल्लाके आदर्श कोतवाल गाउँपालिका–स्थित पटेर्वा निवासी प्रविन गुप्ताके एक कार्यक्रमके बीच पुरस्कार प्रदान कएल गेल हए ।

हर शनिचरके सबेरे ११ बजेसँ १२ बजेतक प्रसारण होईत आएल ‘ब्रेन चेक’ कार्यक्रममे बाल कल्याण विद्या मन्दिर कटहरिया पुरस्कार प्रदान करईत आएल हए । ओही लेखा कटहरिया बहुमुखी क्याम्पस उहे कार्यक्रमके विजेताके पुरस्कार प्रदान करईत आएल हए ।

विजेता गुप्ताके बज्जिकाञ्चल मिडिया प्रा.लि.के प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव, बज्जिकाञ्चल एफएमके स्टेशन म्यानेजर सागर संगम ठाकुर, सम्पादक आर.एन. पटेल आ कार्यक्रम प्रस्तोता जयलाल यादव लगायत पुरस्कार प्रदान कएले रहलन ।

अईसन ज्ञानवर्धक कार्यक्रम विद्यार्थी तथा युवाके सामान्य ज्ञान, तर्कशक्ति आ आत्मविश्वास बढावेमे महत्वपूर्ण भूमिका खेलईत हए, बज्जिकाञ्चल मिडिया प्रा.लि.के प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव बतएलन । रेडियोके माध्यमसे स्थानीय प्रतिभाके पहिचान करके प्रोत्साहित करेके काम सकारात्मक रहल कार्यक्रममे सहभागी सबके कहनाम रहल हए ।

 

ब्रेन चेक’ कार्यक्रमके प्रस्तोता जयलाल प्रसाद यादव रहल हए । कार्यक्रममे विभिन्न विषयसँघे सम्बन्धित ज्ञानमूलक आ बौद्धिक प्रश्न समावेश कएल जाइत रहलासँघे विद्यार्थी आ श्रोतामाझ ई कार्यक्रम लोकप्रिय बनईत गेल हए । बज्जिकाञ्चल एफएम स्थानीय विद्यार्थी तथा युवाके प्रतिभाके पहिचान आ प्रोत्साहन करेके उद्देश्यसे अइसन सहभागितामूलक कार्यक्रमके निरन्तरता देईत आएल जनएले हए ।