संवाददाता,रौतहट, १३ गते जेष्ठ ।

रौतहटके गरुडा नगरपालिका ४ निवासी युवा व्यवसायी रवि जयसवाल रास्वपाके एगो विभागमे केन्द्रीय सदस्यमे मनोनीत कएलगेल छत । रास्वपाके महामन्त्री भूपदेव शाहद्वारा जयसवालके केन्द्रीय अनुसन्धान तथा अभिलेखीकरण विभागके सदस्य पदपर मनोनीत कएलगेल पत्र सार्वजनिक भेल हए । महामन्त्री शाह पार्टीके विधान, नीति, सिद्धान्त आ विभागके नियमावली तथा कार्यविधि बमोजिम अपन पदीय जिम्मेवारी कुशलतापूर्वक निर्वाह करेके विश्वास मनोनयन पत्रमे अभिव्यक्त कएले छत । गरुडा नगरपालिकाके विभिन्न वडामे रास्वपाके प्रति आकर्षण बढइत गेल अवस्थामे पहिले ही प्रदेश सभा सदस्यके उम्मेदवार बनचुकल युवा व्यवसायी रवि जयसवाल रास्वपाके एगो केन्द्रीय विभागके केन्द्रीय सदस्यमे परनाइ अर्थपूर्ण मानल जारहल हए ।