बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,०४ गते वैशाख ।

सशस्त्र प्रहरी रौतहटमे करिब सबा पाँच लाख रुपैया बरामद कएले हए । सीमावर्ती क्षेत्रसे नेपालमे आरहल दुगोटेसे सशस्त्र प्रहरी ५ लाख २२ हजारसे बेसी रकम बरामद कएले हए । रौतहटके राजदेवी नगरपालिका ८ सोफियामाई नजदिक सीमा क्षेत्रमे सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल अन्तर्गत बिओपी बेलबिछवासे खटल टोली सीमा स्तम्भ नम्बर ३४३÷२ के पाससे भारतसे नेपालके ओर आरहल बिआर ०६ ए ६२९२ नम्बरके भारतीय मोटरसाइकलपर सबार व्यक्तिके शरीर खानतलासी कएलापर रकम बरामद भेल सशस्त्र प्रहरी सीमा सुरक्षा गुल्म गौर जनएले हए । मोटरसाइकलपर सबार भारतके सीतामढी जिलाके ४५ वर्षीय नजिर नटके पाससे ३ लाख २२ हजार नेपाली रोपइआ आ पछाडि सबार रहल सर्लाही जिला घर रहल ५५ बरसके मुमताज अंसारीके पाससे २ लाख ४९० रुपैया बरामद भेल हए । दुनुगोटेके मिलाके ५ लाख २२ हजार ४९० रुपैया बरामद भेल सीमा सुरक्षा गुल्म गौरके प्रमुख डिएसपि प्रेमसागर विष्ट जानकारी करएले छत । रकम बरामद भेल दुनुगोटेसे पुछताछ कएलापर रुपैया कहाँसे आ कौना प्रयोजनसे आएल, से बात बएलाके कारण आवश्यक कारबाहीके लेल गौर भन्सारके जिमा लगाएलगेल डिएसपि विष्ट जानकारी करएले छत ।