बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,०४ गते वैशाख ।

रौतहटके विभिन्न सीमावर्ती क्षेत्रसे पक्राउ कएलगेल भारतीय बोइलर मुर्गाके बच्चा सशस्त्र प्रहरी नष्ट कएले हए । सीमा सुरक्षा गुल्म गौरसे खटल चेकपोट टोली गौर नगरपालिका १ कानुपटीस्थित मुख्य सीमा स्तम्भ नम्बर ३४४ के पाससे अवैध भारतीय मुर्गीके बच्चा नियन्त्रणमे लेले ए । अइसही बिओपी रमजुवासे खटल टोली परोहा नगरपालिका ८ नरकटिया क्षेत्रसे छोटका सीमा स्तम्भ नम्बर ३५५÷२ के पाससे भारतसे नेपाल अबैध रुपसे लेआरहल मुर्गी बरामद कएले हए । बरामद कएलगेल ५४ गो मुर्गी जेकर तौल १८६ किलो रहल हए, स्थानीय जनप्रतिनिधि आ गौर भन्सार कार्यालयके रोहबरमे नष्ट कएलगेल सशस्त्र प्रहरी जनएले हए । सीमा क्षेत्रसे अवैध रुसे पशुपन्छी नेपालके ओर लेआबेके क्रम बढलासे निगरानी कडा बनाएलगेल सशस्त्र सीमा सुरक्षा गुल्म गौरके प्रमुख डिएसपि प्रेमसागर विष्ट जानकारी करएले छत ।