सागर संगम ठाकुर, रौतहट, असोज १५ गते ।


रौतहट । कटहरिया नगरपालिका–३ स्थित बिर्ती प्रस्टोकामे नर्सरी व्यवसायके बढ़ेके लेल स्थानीय सरकारके प्राथमिकता देवेके चाही, युवा व्यवसायी विदयालाल रौनियार बतएले हए। बिफेके बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे प्रस्तोता आरके श्रीवास्तव संद्दे बातचित करईत दिलीप फलफूल नर्सरीके सञ्चालक रौनियार बतईले कि गावमे अधिकांश घरपरिवार नर्सरी व्यवसायमे लागल हए । नर्सरी व्यवसायके विकासके लेल जरूरी पूर्वाधार आ प्राविधिक सहयोगके जरूरत रहल बतएले हए ।

हुनकर अनुसार गावमे नर्सरी व्यवसायके सुरुआत अनुराग दास बैरागी कएले रहलन । बैरागी भारतसे सीप सिखके अएलाके बाद गावमे बिरुवा उत्पादनके काम सुरु कएले रहलन । बादमे स्थानीय लोग सब ई कामके विस्तार करईत गेला आ अभि बिर्ती प्रस्टोका नर्सरी व्यवसाय लेल परिचित बनएले हए । रौनियार बतईले कि ऊ २०६० सालसे नर्सरी व्यवसायके प्राथमिकता देत अएल आ २०७७ सालमे दिलीप फलफूल नर्सरी दर्ता कराके व्यावसायिक रूपमे काम आगा बढएलन । नर्सरीमे अपने, लिची, अम्बा, कटहर, कागती आ अनारलगायतके बिरुवा उत्पादन होईत हए ।

एकरा संघे अल्फान्सो अपने, मियाजाकी अपन रेड लेडी मेवा आ रेड बनानाजइसन नया प्रजातिके बिरुवासमेत उपलब्ध रहल रौनियार बतएले हए । कार्यक्रममे टेलिफोनमार्फत सहभागी कृषि विद्यार्थी विवेक यादव स्थानीय स्तरमे उत्पादन होए वाला बिरुवाके नगरपालिका आ गाउँपालिकासे प्राथमिकता देवेके चाही बतएले हए । नया प्रजातिके बिरुवा उपलब्ध करावे, प्रचार–प्रसार करेके आ किसानके कृषि व्यवसायमे लागलाके प्रोत्साहित करेके यादव स्थानीय सरकारसे आग्रह कएले हए । रौनियार नर्सरी व्यवसायके विकास लेल ग्रिनहाउस, सिँचाइ, कृषि उपकरण, तालिम आ आधुनिक प्रविधिमे सहयोगके जरूरत रहल बतएले हए ।

पहिले नया प्रजातिके बिरुवा ल्यावेके लेल प्रोत्साहन मिलल रहे, बाकिर पछिला समयमे नर्सरी व्यवसायमे पर्याप्त लगानी नहए हो रहल, हुनकर गुनासो रहलन । अहिलेके स्थानीय सरकार नर्सरी व्यवसायप्रति खासै चासो नहए देखएले बतएलन रौनियार आगामी स्थानीय तहके चुनावमे निर्वाचित होए वाला जनप्रतिनिधि कृषि आ नर्सरी व्यवसायके प्राथमिकतामे राखेके चाही बतएले हए । उम्मेदवारके घोषणापत्रमे किसानके समस्या आ कृषि विकासके योजना समेटेके चाही, हुन कहले रहलन । स्थानीय उत्पादनके देशभर चिनावे आ भविष्यमे नेपाली नर्सरीके बिरुवाके अन्तर्राष्ट्रिय बजारतक पहुँचावेके लक्ष्य रहल रौनियार बतएले हए । ऊ युवा सबके कृषि व्यवसायमे लागेके आग्रह करईत राज्यके निकाय, स्थानीय सरकार आ संघसंस्थासे किसानके जरूरी सहयोग उपलब्ध करावेके अनुरोध कएले हए । कार्यक्रम सञ्चालक आरके श्रीवास्तव स्थानीय कृषि व्यवसायीके अनुभव आ समस्या श्रोतामाझ पहुँचावेके उद्देश्यसे कार्यक्रम आयोजना कएल गेल हए ।