सागर संगम ठाकुर, रौतहट, असोज १५ गते ।

गौर । गौर नगरपालिका–अन्तर्गत बी.पी. चोकमे सञ्चालनमे रहल फुलतारा डेरीमे जिल्ला प्रशासन कार्यालय, जिल्ला प्रहरी कार्यालय, घरेलु तथा साना उद्योग कार्यालय आ गुणस्तर तथा नापतौल सम्बन्धी निकायके संयुक्त टोली अनुगमन करईत छापा मारले हए । संयुक्त टोली डेरीमे पुगके डेरीसे सञ्चालन होईत रहल होटल, भान्सा आ बिक्री लेल राखल विभिन्न खाद्य सामग्रीके निरीक्षण कएले रहे। अनुगमनके क्रममे मिठाईलगायत विभिन्न खाद्य सामग्री उचित गुणस्तरमे नहए रहल आ उपभोक्ताके स्वास्थ्यके हिसाबसे सावधानी अपने नगेल, अईसन अवस्था पावल गेल टोली बतएले हए ।

टोलीके अनुसार डेरीके भान्सामे मिठाई आ अन्य खाद्य सामग्री तैयार करेके जगह अत्यधिक फोहोर रहलन । भान्सामे सरसफाइके अवस्था कमजोर रहलाक संघे दुर्गन्धसमेत रहल पएले गेल हए । खाद्य सामग्री बनावे आ राखेके जगहमे आवश्यक सरसफाइके मापदण्ड पूरा न कएल गेल बतएले गेल हए । अनुगमनके क्रममे खाद्य सामग्रीके गुणस्तर, सरसफाइ आ उपभोक्ताके स्वास्थ्यसंघे जुडल विषयमे गम्भीर लापरबाही पएले गेलाके बाद संयुक्त टोली सम्बन्धित डेरीके २ लाख रुपैयाके जरिवाना कएले हए । खाद्य सामग्री उत्पादन आ बिक्री करे वाला व्यवसायी उपभोक्ताके स्वास्थ्यके ध्यानमे राखके आवश्यक मापदण्ड पूरा करेके टोली निर्देशन देले हए ।

टोली जरिवानाके रकम एक हप्ताभित्र सम्बन्धित निकायमे बुझावेके निर्देशनसमेत देले हए । तोकल समयभित्र जरिवानाके रकम जमा न कएला पर फुलतारा डेरीमे सिलबन्दी करेके चेतावनी देल गेल बतएले गेल हए । अनुगमन टोली डेरी सञ्चालकके खाद्य सामग्री तैयार करईत समय सरसफाइके विशेष ध्यान देवे, भान्सा सफा राखे, गुणस्तरयुक्त कच्चा पदार्थ प्रयोग करेके आ उपभोक्ताके स्वास्थ्यके प्रतिकूल असर करे सकल सामग्री बिक्री न करेके निर्देशन देले हए ।

खाद्य सामग्रीके गुणस्तर आ सरसफाइमे लापरबाही कएला पर उपभोक्ताके स्वास्थ्यमे प्रत्यक्ष असर पड़ सकला । एही कारणसे खाद्य सामग्री उत्पादन आ बिक्री करे वाला व्यवसायी सबके सम्बन्धित निकायसे तोकल मापदण्ड अनिवार्य रूपमे पालना करेके टोली आग्रह कएले हए । संयुक्त अनुगमन टोली नियमित रूपमे बजारमे सञ्चालन रहल होटल, डेरी, मिठाई पसल आ अन्य खाद्य सामग्री बिक्री केन्द्रके अनुगमन करेके क्रममे रहल बतएले गेल हए । उपभोक्ताके स्वास्थ्यके ध्यानमे राखईत गुणस्तरहीन खाद्य सामग्रीके बिक्री रोकल आ व्यवसायीके जिम्मेवार बनएले जरूरी रहल टोलीके कहनाम हए।