रामअधार यादव, रौतहट, असोज १४ गते ।

रौतहट । मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्के कार्यालय, मधेस प्रदेश, जनकपुरधाम धनुषासे पदस्थापन भेल वरिष्ठ कृषि प्रसार अधिकृत अधिकृत नवौं तह अमर चन्द्र मण्डल कृषि ज्ञान केन्द्र, रौतहटके प्रमुखके रूपमे पदभार ग्रहण कएले हए । नवनियुक्त प्रमुख अमर चन्द्र मण्डल कृषि ज्ञान केन्द्र, रौतहटमे पदभार ग्रहण कएला पर कार्यालय परिवार हुनके हार्दिक बधाई देत सफल कार्यकालके शुभकामना देले हए । कृषि ज्ञान केन्द्रके कार्यालय परिवार मण्डलके नेतृत्व, अनुभव आ कुशल कार्यसम्पादनसे केन्द्रके सेवा प्रवाह अउरी प्रभावकारी बनेके अपेक्षा व्यक्त कएले हए ।

हुनके अनुभव आ दक्षताके उपयोग करईत जिल्लाके किसानके जरूरतअनुसार कृषि सेवा उपलब्ध करावे, कृषि प्रविधिके प्रचार–प्रसार करेके आ किसानके समस्या समाधानमे केन्द्रके भूमिका अउरी प्रभावकारी बनेके अपेक्षा कएल गेल हए । मण्डलके पदस्थापनासंघे कृषि ज्ञान केन्द्र रौतहटमे जिल्लाके किसानके हितमे सञ्चालन होईत रहल विभिन्न कृषि कार्यक्रमके प्रभावकारी कार्यान्वयनमे अउरी गति आवेके विश्वास व्यक्त कएल गेल हए ।

नवनियुक्त प्रमुख मण्डलके नेतृत्वमे किसानके बीच आधुनिक कृषि प्रविधिके पहुँच बढ़ल, उत्पादन आ उत्पादकत्वमे वृद्धि होईत तथा कृषि क्षेत्रके व्यावसायीकरणमे सहयोग पुगल अपेक्षा कार्यालय परिवारके रहल हए । ओही तरह जिल्लाके कृषकके प्रदान कएल जाए वाला कृषि सेवा, प्राविधिक सहयोग, नयाँ प्रविधिके जानकारी, देले तथा अन्य कृषि कार्यक्रमके सञ्चालन अउरी व्यवस्थित आ प्रभावकारी ढंगसे आग बढ़ेके अपेक्षा कएल गेल हए । कृषि ज्ञान केन्द्रके कार्यालय परिवार मण्डलके कार्यकाल सफल, उपलब्धिमूलक आ सुखद रहोस् कहलन शुभकामना व्यक्त कएले हए ।