सागर संगम ठाकुर, असोज  १५ गते ।

नेपाली कम्युनिस्ट पार्टी नेकपाके कटहरिया नगर संयोजक नसरुदिन अंसारी २०७९ सालके स्थानीय तह निर्वाचनमे कटहरिया नगरपालिकाके नगर प्रमुख पदमे उम्मेदवारी देके ३ हजार ४ सय ४० मत मिलल तेसरका स्थान हासिल कएले रहलन । निर्वाचनमे सहयोग आ समर्थन देवेवाला सम्पूर्ण नगरवासीके प्रति अंसारी धन्यवाद व्यक्त कएले हए । निर्वाचनके परिणाम अपन अपेक्षाअनुसार न आएल, बाकिर एसे अपन निराश न भेल अंसारी बतएलन ।

जनतासँघेके सम्बन्ध लगातार बनवईत राखेके आ फेरु नगर प्रमुख पदमे उम्मेदवारी देवेके तयारीमे रहल जानकारी हुन देलन । चुनावके लेल अपने तयार रहल बतवईत अंसारी जनताके विश्वासके आधारपर राजनीतिक यात्रा आगाडी बढावेके बतएलन । अंसारी नेपाली कम्युनिस्ट पार्टी नेकपा से चुनावमे सहभागी होएके तयारीमे रहल बतएलन । अपन परिवारमे पहिले से कम्युनिस्ट विचारधाराके प्रभाव रहल आ अपने भी ओही राजनीतिक धारसे आगाडी बढल बतएलन । कवनो राजनीतिक दल वा व्यक्ति प्रति पूर्वाग्रही न रहल दाबी करईत अंसारी जनताके हितमे काम करेके अपन मुख्य प्राथमिकता बतएलन । समाजसेवा आ राजनीतिक लाभके सम्बन्धके चर्चा करईत हुन कहलन कि लमहर समयसे व्यक्तिगत रूपमे विपन्न आ समस्या मे पडल परिवारके सहयोग करईत आएल छत ।

हुनकर कहनाम अनुसार, जरूरतमन्द परिवारके खाद्यान्न आ अन्य सामग्री उपलब्ध करावेके साथे धार्मिक तथा सामाजिक कार्यक्रममे सहयोग करईत आएल छत । ठंडीके समयमे जरूरतअनुसार सहयोग करेके आ अपन व्यवसायमे आवे वाला आर्थिक रूपसे कमजोर व्यक्तिके भी सकेतक सहयोग करेके हुन बतएलन । समाजसेवाके हुन मानवीय जिम्मेवारीके रूपमे लेल बतएलन । कटहरिया नगरपालिकाके वर्तमान विकास अवस्थाके बारेमे विचार राखत अंसारी स्वास्थ्य, कृषि आ शिक्षाके क्षेत्रमे अभि सुधारके जरूरी रहल बतएलन ।

विगतमे नगरके स्वास्थ्य क्षेत्रमे औषधि आ चिकित्सकके व्यवस्था तुलनात्मक रूपसे बेहतर रहल दाबी करईत हुन पछिला समयमे ई क्षेत्रमे कमजोरी देखाइदेल बतएलन । किसानके कृषि उत्पादनमे प्रोत्साहन देवे, स्वास्थ्य सेवा प्रभावकारी बनावे आ विद्यालयके शैक्षिक अवस्था सुधार करेके जरूरी पर हुन जोर देलन । स्थानीय सरकारके विकासके मूल्यांकन करईत समय जनताके दैनिक जीवनसे प्रत्यक्ष रूपसे जुडल स्वास्थ्य, शिक्षा, कृषि आ रोजगारीके विषयके प्रमुख आधार बनावेके हुनकर कहनाम रहल हए । विद्यालय व्यवस्थापन समितिमे काम कएले रहलन । अंसारी कुछ समय श्री जनता माध्यमिक विद्यालय कटहरियाके विद्यालय व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष बनके काम कएले प्रसंग भी कार्यक्रममे सुनएलन ।

अपन कार्यकालमे विद्यालयके भौतिक संरचना सुधार, जरूरी सामग्रीके व्यवस्था, शिक्षकके व्यवस्थापन आ विद्यालयके जग्गा उपयोगसम्बन्धी विषयमे पहल कएले बतएलन ।विद्यालयके जग्गाके व्यवस्थित रूपसे उपयोग करेके उद्देश्यसे टेन्डर प्रक्रिया आगू बढावल गेल रहे । बाकिर नगरपालिकासे आएल आदेशके बाद उक्त प्रक्रिया रोकल गेल हुनकर कहनाम रहल हए । ओकरा बाद काम करेके वातावरण सहज न रहल बतवईत अंसारी व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष पदसे राजीनामा देके अलग भेल बतएलन । बजार व्यवस्थापनमे समस्या रहल अंसारीके दाबी कटहरिया बजारके व्यवस्थापनके विषयमे अंसारी बजारमे संरचना बनल रहला पर भी ओकर प्रभावकारी उपयोग न हो रहल दाबी कएले छत । बजारमे सरसफाइ, पार्किङ आ व्यापारिक स्थान व्यवस्थापनके समस्या रहल बतवइत स्थानीय सरकार बजार व्यवस्थापनके लेल अलग टोली बनाके नियमित अनुगमन करेके सुझाव देलन । व्यवसायीके व्यवस्थित स्थान उपलब्ध करावेके साथे बजारके भौतिक संरचनाके प्रभावकारी रूपसे उपयोगमे लियावेके जरूरत रहल हुन बतएलन ।

व्यवसायीके समस्या समाधान करेके आग्रह स्थानीय व्यवसायी सबके समस्या पर चर्चा करईत अंसारी व्यापारमे आवे वाला उतार–चढाव आ सरकारी नीतिसे व्यवसायी पर पडे वाला प्रभावप्रति स्थानीय सरकार गम्भीर होएके बतएलन । व्यवसायीके समस्या सुनेके जरूरी सहजीकरण करेके आ व्यापार सञ्चालनके लेल सहज वातावरण बनावेके काम स्थानीय तथा केन्द्र सरकारसे होएके हुनकर कहनाम रहल हए । संगीत आ कलाकारितासँघे भी जुडल रहल यात्रा राजनीतिक आ सामाजिक गतिविधिके साथे अंसारी अपन कला आ संगीतसँघेके सम्बन्धके बारेमे भी चर्चा कएलन । छोटेसे गावघरमे होए वाला नाटक आ सांस्कृतिक कार्यक्रममे अपन रुचि रहल बतवईत हुन अपन बाबु भी नाटकमे सहभागी होएके स्मरण कएलन । छठलगायत पर्वके अवसरपर गावघरमे आयोजना होए वाला नाटक आ सांस्कृतिक कार्यक्रमसे अपन प्रभावित भेल बतएलन ।

ओही रुचि आ प्रेरणासे संगीत क्षेत्रमे प्रवेश कएले आ विगतमे एल्बम भी निकालले बतएलन । अपन समयके कुछ गीत श्रोतामाझ लोकप्रिय भेल स्मरण करईत अंसारी अबहियो संगीतप्रति अपन रुचि कायम रहल बतएलन । पछिला समयमे सामाजिक सञ्जालमार्फत टिकटक आ मनोरञ्जनात्मक सामग्री बनावेके भी करईत आएल बतएलन । कलाकार आ संगीत क्षेत्रके समाजसे प्रोत्साहन मिलल जरूरी रहल बतएलन कलाकारद्वारा बनावल सामग्रीमे लाइक, सेयर आ सकारात्मक प्रतिक्रिया देबेके हुनकर मनोबल बढावेके आग्रह कएलन ।कार्यक्रमके अन्त्यमे अंसारी कटहरिया नगरपालिकाके नगरवासी, मतदाता, युवा, व्यवसायी तथा दाजुभाइ–दिदीबहिनी सबके धन्यवाद देलन । नेपालके विभिन्न स्थानमे रहल आ विदेशमे रहल नेपाली सबके दसैं, तिहार आ छठ पर्वके शुभकामना देईत अंसारी सबके घरमे सुख, शान्ति आ समृद्धि छाओस् कहके कामना कएलन । लक्ष्मी माताके कृपा सबके घरमे बनल रहोस् आ छठी मातासे बालबालिका आ सम्पूर्ण परिवारके कल्याण होएके कहलन शुभेच्छा भी हुन व्यक्त कएलन ।