आरके श्रीवास्तव, रौतहट, १५ गते कात्तिक।

रौतहटके गरुडामे परिवर्तनके संवाहक आ पोषण अभियानकर्तासबके क्षमता विकास तथा कार्ययोजना पुनरावलोकन सम्बन्धी दु दिनके तालिम सम्पन्न भेल हए । गरुडा नगरपालिका स्थित होटल सुमित्रा प्यालेसमे संरक्षण नेपालके आयोजना तथा आईडी नेपाल आ केयर नेपालके सहकार्यमे ई तालिम सञ्चालन कएल गेल रहे ।

तालिमके उद्घाटन एक कार्यक्रमके बीच गरुडा नगरपालिकाके नगर प्रमुख कन्थमनी प्रसाद जयसवाल कएले रहलन । तालिममे परिवर्तनके संवाहक तथा पोषण अभियानकर्तासबके नेतृत्व क्षमता विकास, लैङ्गिक समानता तथा सामाजिक समावेशीकरण, हानिकारक सामाजिक मान्यताके अन्त्य आ सामाजिक तथा व्यवहार परिवर्तन सञ्चार सम्बन्धी ज्ञान, सीप आ क्षमता बढ़ावे पर विशेष जोर देल गेल रहे ।

कार्यक्रममे कार्यक्रम संयोजक भाग्यनारायण महतो, लैङ्गिक समानता तथा सामाजिक समावेशीकरण अधिकृत नितु कुमारी मल्लिक आ आईडीईके परियोजना संयोजक विनोद श्रेष्ठ अलग अलग विषय पर सहजीकरण कएले रहलन । तालिमके दौरान बालविवाह, महिला तथा किशोरीसब पर होए वाला हिंसा, लैङ्गिक विभेद लगायत मातृ तथा बाल स्वास्थ्य आ पोषण पर नकारात्मक असर डाले वाला हानिकारक सामाजिक मान्यतासबके अन्त्य करे के विषय पर विस्तृत चर्चा कएल गेल रहे ।

समुदाय स्तर पर जनचेतना बढ़ावे, आपसी संवाद करेके, पैरवी करेके आ सकारात्मक व्यवहार परिवर्तन लेयावे के उपायसब पर भी सहभागीसबके बीच विचार विमर्श भेल रहे । एहिसे पहिले कार्यक्रमके दोसर वर्षमे सञ्चालन कएल गेल गतिविधि आ कार्ययोजनाके समीक्षा भी कएल गेल हए ।

समीक्षा दौरान हासिल उपलब्धि, काम करे के क्रममे देखल गेल चुनौती आ प्राप्त अनुभवसबके विश्लेषण कएल गेल हए । साथे आगामी दिनमे कार्यक्रमके अउरी प्रभावकारी बनावेके कार्ययोजना परिमार्जन आ मजबूत करेके विषय पर भी चर्चा भेल हए ।

तालिमसे प्राप्त ज्ञान, सीप आ अनुभवके व्यवहारमे उतार के समुदाय स्तर पर सकारात्मक सामाजिक परिवर्तन लियावे के उद्देश्यसे सहभागीसब तीसरा वर्षके कार्ययोजना तैयार कएले छत । ओह कार्ययोजना के अनुसार कार्यक्रम आगे बढ़ावे के प्रतिबद्धता भी जनएले छत । समुदायमे रहल कुरीति, विभेद आ हानिकारक सामाजिक अभ्यासके अन्त्य करईत महिला, किशोरी आ बालबालिकासबके स्वास्थ्य, पोषण तथा अधिकार सुनिश्चित करे मे परिवर्तनके संवाहकसबके भूमिका अउरी प्रभावकारी होई, अइसन विश्वास आयोजक संस्था व्यक्त कएले हए ।