आरके श्रीवास्तव, रौतहट, १० गते कार्तिक ।

रौतहट । ज्योती विकास बैंक लिमिटेड रौतहटके गरुडा नगरपालिका–९, नयाँ गम्हरिया श्रीपुरमे रहल माध्यमिक विद्यालयके दू गो कम्प्युटर हस्तान्तरण कएले हए । विद्यालयमे आयोजित एगो कार्यक्रमके बीच बैंक विद्यालयके दू सेट कम्प्युटर प्रदान कएले हए ।

विद्यालयके प्रधानाध्यापक राम अधार पासवानके अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे ज्योती विकास बैंक लिमिटेड, मधेश प्रदेशके प्रमुख मोहनराज गिरी प्रमुख अतिथिके रूपमे उपस्थित रहल रहलन । ओही सही बैंकके चन्द्रपुर शाखाके शाखा प्रबन्धक सन्दिप रस्तोगी विशिष्ट अतिथिके रूपमे सहभागी रहलन । बैंकके कर्जा फाँटके प्रमुख अमरेश कुमार सिंहके भी कार्यक्रममे उपस्थिति रहल रहे ।

कार्यक्रममे बैंकके मधेश प्रदेश प्रमुख मोहनराज गिरी विद्यालयके शैक्षिक विकास खातिर आगे भी सहयोग करेके प्रतिबद्धता जनौलन । ऊ कहलन कि कम्प्युटर हस्तान्तरणसे विद्यार्थीसभके प्रविधिमैत्री शिक्षा हासिल करे आ सूचना प्रविधिसम्बन्धी ज्ञान आ सीप बढ़ावेमे मद्दत मिली ।

विद्यालयके प्रधानाध्यापक राम अधार पासवान ज्योती विकास बैंक लिमिटेडके धन्यवाद देइत बैंकके एह सहयोगसे विद्यालयके शैक्षिक गतिविधिमे सकारात्मक योगदान पुगेके बतौलन । ऊ खास कके दलित, मुस्लिम आ विपन्न परिवारके विद्यार्थीसभके कम्प्युटर शिक्षा हासिल करेके अवसर प्रदान करेके दृष्टिकोणसे ई सहयोग उपयोगी होखेके बतौलन ।

विद्यालयमे आयोजित एह कार्यक्रममे शिक्षक आ विद्यार्थीसभके उपस्थिति रहल । कार्यक्रममे विद्यालयके सहायक प्रधानाध्यापक गुणेन्दु कुमार लाल कर्ण स्वागत मन्तव्य रखले रहलन, जबकि कार्यक्रमके सञ्चालन शिक्षक शिवजी दास कएले रहलन ।

बैंकसे मिलल कम्प्युटरसे विद्यालयमे सूचना प्रविधि आधारित पढ़ाइ–लिखाइके प्रक्रिया प्रभावकारी बने आ विद्यार्थीसभके डिजिटल सीप विकासमे सहयोग मिलेके अपेक्षा कएल गएल हए ।