बज्जिकाञ्चल संवाददाता,ढल्केबर, ८ गते कातिक।
स्वास्थ्य तथा खाद्य स्वच्छता मन्त्री निशा मेहता धनुषा जिल्लाके ढल्केबरमे स्वीकृत क्रिटिकल केयर तथा ट्रमा सेन्टरके निर्माण होए पर भरोसा रखेके आग्रह कएले बाडन । एतवारके ढल्केबरमे ट्रमा सेन्टर निर्माणके लेल प्रस्तावित जमीनके स्थलगत निरीक्षण करईत हुन कहलन कि सेन्टरके निर्माण होए में कवनो शंका करेके जरूरी न हए ।

मन्त्री मेहताके अनुसार, ढल्केबरमे बनेवाला ट्रमा सेन्टर सरकारके बहुवर्षीय योजनामे शामिल हो चुकल हए । निर्माणके लेल टेन्डर से जुडल कागजात स्वास्थ्य मन्त्रालय से हस्ताक्षर भेला के बाद पूर्वाधार से सम्बन्धित निकाय में भेजल जा चुकल हए । हुन बतएलन कि टेन्डर प्रक्रिया जल्दिये पूरा करके भवन निर्माणके काम आगे बढ़ावल जाई ।

स्थलगत निरीक्षण के बाद मन्त्री मेहताके कहनाम रहे कि ट्रमा सेन्टर निर्माणके लेल चुनल गेल जगह उपयुक्त हए । निरीक्षणके दौरान प्रतिनिधिसभा सदस्य राजकिशोर महतो कहलन कि ट्रमा सेन्टर निर्माणके विषय में स्थानीय नागरिक बहुत दिन से आश्वासन सुन रहल बाडन । बाकिर निर्माण कार्य शुरू न भेला से लोग में भरोसा पैदा न होरहल हए ।

सांसद महतो मन्त्री मेहता से आग्रह कएलन कि निर्माण कार्य जल्दिये शुरू करेके वातावरण बनावल जाए आ शिलान्यासके प्रक्रिया आगे बढ़ावल जाए। हुनकर कहनाम रहे कि जब निर्माण कार्य जमीन पर शुरू होई, त स्थानीय नागरिक के भरोसा मजबूत होई । ढल्केबरमे ट्रमा सेन्टर बनला से दुर्घटना में घायल मरीज आ गम्भीर अवस्था में रहल बिरामी के समय पर उपचार उपलब्ध करावे में मदद मिली। एसे धनुषा सहित आसपासके क्षेत्रके नागरिक के स्वास्थ्य सेवामे सुविधा बढ़ेके उम्मीद कएल जा रहल हए ।

