रामअधार यादव, रौतहट, कार्तिक ७ गते।

रौतहटके कटहरिया नगरपालिकाके कार्यपालिका सदस्य मनोज जैसवालके निजी घरसे मोटरसाइकिल चोरी हो गेल हए। कटहरिया नगरपालिका–३, बडेडवामे रहल उहाँके घरके भीतर लॉक करके रखल करिया रंगके पल्सर मोटरसाइकिल बीतल रात चोरी हो गेल हए।

जैसवालके अनुसार ना. ५ प. ३४८१ नम्बरके पल्सर १५० सीसी मोटरसाइकिल राति करीब १२ बजे चोरी भेल हए। अज्ञात व्यक्ति मोटरसाइकिलके लॉक तोड़के चोरी कएले बताएल गेल हए।

घरके भीतर सुरक्षित ढंगसे लॉक करके रखल मोटरसाइकिल चोरी हो गेला पर ओकरा खोजेमे सहयोग करेके अपील कएल गेल हए।

चोरी भेल ना. ५ प. ३४८१ नम्बरके मोटरसाइकिल केहू कतहुँ देखते अथवा घटनासे जुड़ल कउनो जानकारी मिले त नजदीकके प्रहरी कार्यालयमे खबर करेके अनुरोध कएल गेल हए।