बज्जिकाञ्च संवाददाता, महोत्तरी, असोज २१ गते ।

जिल्ला सुरक्षा समिति महोत्तरी चाडपर्व लक्षित एकीकृत सुरक्षा योजना २०८३ पूर्ण रूपमे कार्यान्वयनमे लेयाएल हए। जिल्ला सुरक्षा समितिके अध्यक्ष आ प्रमुख जिल्ला अधिकारी इन्द्रदेव यादव चाडपर्व लक्षित एकीकृत सुरक्षा योजनाअन्तर्गत महोत्तरीमे एक हजार तीन सयसे बेसी सुरक्षाकर्मी परिचालन करउले बतएलन ।

हुनकर अनुसार योजनाके कार्यान्वयनके लेल नेपाल प्रहरीके ७४७ जना आ सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल नं. ९ गणके ५८४ जना करके कुल एक हजार ३३१ जना सुरक्षाकर्मी जिल्लाभर परिचालन कएले हए । जिल्लाके संवेदनशील क्षेत्रमे राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग विशेष सूचना सङ्कलन कररहल आ परिस्थिति आ आवश्यकताके आधारमे नेपाली सेनाके समेत रणनीतिक प्रतिष्ठानके सुरक्षा, स्कर्टिङलगायतके कार्यमे परिचालन करेके कएलन समन्वय कएले प्रमुख जिल्ला अधिकारी यादव जानकारी देलन ।

हुनकर अनुसार सुरक्षा रणनीतिअन्तर्गत नेपाल–भारत खुला सीमा नाकामे चौबिसै घण्टा पिकेट, चेकपोइन्ट आ संयुक्त गस्ती परिचालन करके गैरकानुनी आवतजावत आ पटका नियन्त्रणमे कडाइ कएले हए। पूर्व–पश्चिम लोकमार्ग आ भित्री सडकमे आकस्मिक चेकिङ आ मोबाइल गस्ती परिचालन कएलगेल हए जबकी बजार, बैंक आ वित्तीय संस्थामे पैदल गस्ती आ सादा पोशाकमे सुरक्षाकर्मी खटएले हए। गोरखा पत्र