रामअधार यादव, रौतहट, असोज २१ गते ।
चन्द्रपुर नगरपालिकाले वडा सचिव अधिकृत छैठौं शेख नसरे आलमके २४ घण्टाभित्तर कार्यालयमे उपस्थित होके स्पष्टीकरण देवेके निर्देशन देले हए । चन्द्रपुर नगरपालिकाके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत बद्रीराज ढकाल असोज २० गते जारी कएल सूचना अनुसार, नगर कार्यपालिकाके २०८३ असोज ९ गतेके निर्णयअनुसार आलमके चन्द्रपुर नगरपालिका–१० के वडा सचिवके जिम्मेवारीमे खटावल गेल रहे । हुनके असोज १४ गतेसे वडा कार्यालयमे हाजिर होखेके निर्देशन देल गेल रहे ।

नगरपालिकाके अनुसार हाजिरी रजिस्टरमे असोज १४ आ १५ गते ओभरराइटिङ कके हाजिर कइल देखल गेल हए, मुदा जिम्मेवारी तोकाइल वडा कार्यालयमे हालधरि हाजिर न भेल पएले हए । वडा सचिवके अनुपस्थितिके कारण वडा कार्यालयसे सम्पादन होखेके काम प्रभावित भेल नगरपालिका जनएले हए ।

ओही तरहे, आलम विदा स्वीकृत कराके कार्यालयमे अनुपस्थित रहल अवस्था नइ रहल आ नगरपालिका सहित वडा कार्यालयके सम्पर्कमे समेत नइ रहल सूचना मे उल्लेख कएल गेल हए । नगरपालिकाले हाजिरी रजिस्टरमे ओभरराइटिङ कके हाजिर कइल आ विदा स्वीकृत न कराके कार्यालयमे अनुपस्थित रहल विषयमे स्पष्टिकरणसहित २४ घण्टाभित्तर कार्यालयमे उपस्थित होखेके निर्देशन देले हए । तोकल समयभित्तर कार्यालयमे उपस्थित होके स्पष्टीकरण पेश नइ कइला पर मधेश प्रदेश स्थानीय सेवा गठन तथा सञ्चालन ऐन, २०८१ बमोजिम कारबाही प्रक्रिया अगाडि बढावल जाएत, नगरपालिका चेतावनी देले हए ।

