सागर संगम ठाकुर, रौतहट, असोज १० गते ।

रौतहट । समाजमे फैलल खोप सम्बन्धी गलत धारणा आ अफवाहके चीरेईत जनचेतना फैलावेके उद्देश्यसे रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिकामे ‘कम्युनिटी एक्सन ग्रुप’ अर्थात सामुदायिक कार्य समूह गठन कएल गेल हए।

आड्रा नेपालके सहयोग आ अभियान नेपालके ‘कोर ग्रुप पार्टनर प्रोजेक्ट’के सहजीकरणमे आजु एगो विशेष कार्यक्रमके बीच ई समूह गठन कएल गेल हए । नवगठित समूहमे देवाही गोनाही नगरपालिकाके वडा नम्बर १ से ९ तकके हरेक वडासे दू–दू जना स्थानीय प्रतिनिधिके सहभागी करावल गेल हए।

ई समूह खोपप्रति सकारात्मक सोच बढावेके आ समुदाय स्तरमे व्यापक जनचेतना फैलावेके काममे नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह करेके बताबल गेल हए। देवाही गोनाही नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखा प्रमुख जगाराम आ अभियान नेपालके कर्मचारी कान्ति शाहके संयुक्त सहजीकरणमे भेल कार्यक्रममे नगरपालिकाके विभिन्न विद्यालयके प्रधानाध्यापक, शिक्षिका, धर्मगुरु, मोल्वी साहब आ पुरोहितसहित कुल २८ जनाके सक्रिय सहभागिता रहल रहे ।

कार्यक्रमके बारेमे जानकारी देईत अभियान नेपालके कर्मचारी कान्ति शाह बतएलन कि ई प्रोजेक्ट अन्तर्गत नगरपालिकाके सभ वडामे खोप सम्बन्धी घरदैलो भेटघाट कएल जाई। साथे ‘शून्य डोज’ अर्थात हालतक एगो खोप नमिलल बालबालिकाके खोजी, खोप छुटल बालबालिकाके पहिचान करके खोपके दायरामे लेयावेके लक्ष्य राखल गेल हए ।

ओही लेखा स्वास्थ्य शाखा प्रमुख जगाराम कहलन कि समाजमे एखहुनगो खोपके विषयमे अनेक तरहके गलत धारणा आ भ्रम कायम रहल हए। अईसन भ्रमके चीरईत सर्वसाधारणके सही सूचना देके खोप अभियानमे सहभागी करावेके लेल ई कार्यक्रम आ समूह गठन प्रभावकारी होएके विश्वास रहल हए ।

कार्यक्रममे स्वास्थ्य सह–संयोजक राजिव कुमार शाह खोप बालबालिकाके स्वास्थ्य सुरक्षामे महत्वपूर्ण योगदान देबेला बतएले हए । स्थानीय तह आ स्वास्थ्य संयन्त्रके प्रयासमे समुदायके हरेक नागरिकके साथ रहल त मात्र शतप्रतिशत खोप सुनिश्चितता हासिल कएल जा सकल हए, हुन कहलन । कार्यक्रममे सञ्चारकर्मी लगायत अन्य स्थानीय प्रतिनिधिसबके सेहो उपस्थिति रहल हए ।