आरके श्रीवास्तव, रौतहट, असोज ८ गते ।
रौतहटके कटहरियासे प्रसारण होईत बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके साप्ताहिक कार्यक्रम ‘पुरस्कार ५ सय’ के विजेता कटहरिया नगरपालिका–१ भसेढवा निवासी विद्यार्थी रवि यादवके साइकिल प्रदान कएल गेल हए । हर शनिचरके दुपहर ३ः१५ बजेसे ४ बजेतक प्रसारण होईत आएल उक्त कार्यक्रममे सहभागी विद्यार्थीमध्ये उत्कृष्ट प्रदर्शन करेवाला विजेताके नगद तथा विभिन्न सामग्री पुरस्कारके रूपमे प्रदान कएल जाइअ ।

सामान्य रूपसे चार गो एपिसोड पूरा भेला के बाद पाँचमा एपिसोडमे विशेष पुरस्कार कार्यक्रम सञ्चालन करेके परम्परा रहल हए । एही क्रममे अबकी बेर विजेता रवि यादवके साइकिल प्रदान कएले हए । कार्यक्रमके सञ्चालन भैरो लाल महतो करईत आएल बाडन ।

पुरस्कार व्यवस्थापनमे श्री मावि उचिडिहके प्रधानाध्यापक मुक्ति प्रसाद कुशवाहा आ श्री कोपिला प्राविके प्रधानाध्यापक सुशीला कुशवाहाके लगातार सहयोग रहल हए । पुरस्कार वितरण कार्यक्रममे बोलईत श्री मावि उचिडिहके प्रधानाध्यापक मुक्ति प्रसाद कुशवाहा विजेता रवि यादवके बधाई आ शुभकामना देईत आगिला दिनमे विशेष पुरस्कार कार्यक्रमके रेडियोके साथे विद्यालय तथा समुदायमे विद्यार्थीके प्रत्यक्ष सहभागितासहित सञ्चालन करेके तयारी होरहल बतएलन ।

विद्यार्थीमे ज्ञान, क्षमता आ प्रतिस्पर्धात्मक भावना विकास करेके उद्देश्यसे कार्यक्रम सञ्चालन होईत आएल हुन कहले रहलन । ओही लेखा श्री मावि भसेढवाके प्रधानाध्यापक कपिलदेव प्रसाद यादव पुरस्कार व्यवस्थापनमे सहयोग करेवाला प्रधानाध्यापक मुक्ति प्रसाद कुशवाहाके धन्यवाद देलन ।

विद्यार्थीमे नयका उत्साह आ प्रतिस्पर्धाके भावना पैदा करेमे कार्यक्रमके महत्वपूर्ण भूमिका रहल बतवईत विद्यार्थीके करियर निर्माणके लक्ष्य राखके अइसन कार्यक्रम सञ्चालन होअले सकारात्मक रहल हुनकर धारणा रहल ।
हुन कहलन कि एहि क्षेत्रके विद्यार्थी सब विभिन्न आयोग तथा प्रतिस्पर्धात्मक परीक्षामे सफलता हासिल करईत आएल छत । विद्यार्थीके क्षमता विकासमे अइसन कार्यक्रमसे आउर प्रेरणा मिलेके हुन बतएलन ।

कार्यक्रममे बज्जिकाञ्चल एफएमके सञ्चालक आरके श्रीवास्तव ‘पुरस्कार ५ सय’ के माध्यमसे विद्यार्थीके पढ़ाइ, ज्ञान आ प्रतिस्पर्धाप्रति उत्साहित करेके प्रयास होरहल बतएलन ।
कार्यक्रमके पुरस्कार व्यवस्थापन तथा लगातार सहयोग करेवाला प्रधानाध्यापक सबके एफएम परिवारके ओरसे धन्यवाद देईत विजेता रवि यादवके बधाई तथा उज्ज्वल भविष्यके शुभकामना देलन ।

श्रीवास्तव कहलन कि आगिला दिनमे ‘पुरस्कार ५ सय’ कार्यक्रमके रेडियो प्रसारणमे मात्र सीमित नहए राखेके, बल्कि विभिन्न विद्यालय तथा समुदायमे प्रत्यक्ष रूपसे सेहो सञ्चालन करेके तयारी होरहल हए ।

विद्यार्थीके ज्ञान, प्रतिभा आ क्षमता विकासके साथे ओहनीके प्रतिस्पर्धात्मक वातावरणमे आगाडि बढ़ावेके उद्देश्यसे बज्जिकाञ्चल एफएम सञ्चालन करईत आएल इहे अभियानके आगिला दिनमे आ प्रभावकारी बनावेके तयारी कएल जा रहल एफएम जनएले हए ।

