बज्जिकाञ्चल संवाददाता, रौतहट, असीन ९ गते ।

रौतहट । शिक्षक मुक्ति प्रसाद कुशवाहा अपन शैक्षिक आ शिक्षण यात्राके दौरान भोगल संघर्ष, विद्यालय विकासके लेल कएले योगदान आ शिक्षा सुधारसम्बन्धी अपन अनुभव सार्वजनिक कएले छत ।

बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे बातचित करईत कुशवाहा कहलन कि हुन शैक्षिक यात्रा गावके विद्यालयसे सुरु भेल रहे । प्राथमिक तहके शिक्षा गावके विद्यालयसे पूरा कएला बाद माध्यमिक तहमे अध्ययन कएले हुन २०४७ सालके ब्याचमे एसएलसी परीक्षा देके उत्तीर्ण भेल जानकारी देलन ।

पारिवारिक आर्थिक अवस्था कमजोर रहलाके कारण एसएलसीके बाद कुछ समयतक पढाइके निरन्तरता दे बे न सकल आ रोजगारीके रसता पकडे परल हुन बतएलन ।

सुरुमे नारायणगढस्थित निजी कम्पनीमे सेल्सम्यानके रूपमे काम कएल कुशवाहा ओकरा बाद चिनी मिलमे सेहो कुछ समय काम कएलन ।

बादमे शिक्षण पेशामे प्रवेश करके अस्थायी शिक्षकके रूपमे काम करईत शिक्षक सेवा आयोगके प्रतिस्पर्धासे स्थायी शिक्षक बनल बतएलन ।

कुशवाहाके अनुसार विद्यालयमे जिम्मेवारी सम्हारत समय विभिन्न चुनौतीके सामना सेहो करेके पडल रहे। स्थानीय स्तरपर उत्पन्न विवादके कारण करिब डेढ महिनातक विद्यालयमे तालासमेत लागल रहल हुन बतएलन । राजनीतिक आ जातीय आधारपर विवाद उत्पन्न भेल कहल गेल रहे, लेकिन छलफल आ समुदायके सहकार्यमे विद्यालय फेरसे सञ्चालनमे आएल हुनकर कहनाम हए ।

विद्यालयमे पुगला समय विद्यार्थीके संख्या बहुत कम रहल, दु–तीन जना शिक्षक मात्र रहल आ विद्यालयके प्रशासनिक व्यवस्थासमेत कमजोर रहल हुन स्मरण कएलन । निरन्तर प्रयासके बाद अभि विद्यालयमे विद्यार्थीके संख्या उल्लेख्य रूपमे बढल आ कक्षा ९ तकके पढाइ सञ्चालनमे आएल हुन जानकारी देलन ।

विद्यालयके भौतिक विकासके लेल सरकारी बजेटके साथे व्यक्तिगत आ पारिवारिक सहयोग सेहो जुटवल कुशवाहा बतएलन । चार तल्ला भवन, थप भवन, शौचालय लगायतके पूर्वाधार निर्माणमे अपने पहल कएले हुन जानकारी देलन । विद्यालयमे जग्गाके अभाव भेला पर अपन निजी सम्पत्तिसे करिब ११ लाख रुपैयाँसे बेसी मूल्यके जग्गा खरिद करके विद्यालयके दान कएले बतएलन ।

कक्षा ९ सञ्चालनमे लावेके लेल स्थानीय अभिभावक आ समुदायके माग सेहो महत्वपूर्ण रहल हुन बतएलन । विद्यार्थीसबके उच्च कक्षाके पढाइके लेल अन्यत्र जाएके बाध्यता कम करेके उद्देश्यसे विद्यालयके क्रमशः विस्तार करईत जाएके योजना रहल हुन कहनाम हए । शिक्षकके हकहितके लेल आफू नेपाल शिक्षक संघमे लम्बा समयसे आबद्ध रहल उल्लेख करइत कुशवाहा शिक्षकके सेवा–सुविधा, तलब आ अधिकारके विषयमे राज्यके पर्याप्त ध्यान देवेके चाही बतएलन ।

साथे शिक्षकसब सेहो अपन जिम्मेवारी इमानदारीपूर्वक पूरा करेके चाही पर हुन जोर देलन । शिक्षाके समाज परिवर्तन आ समग्र विकासके मुख्य आधारके रूपमे व्याख्या करईत कुशवाहा अभिभावकसबसे अपन बालबालिकाके शिक्षातर्फ प्रेरित करेके आग्रह कएलन । अपन शिक्षण यात्रामे प्रारम्भिक अवसर आ प्रेरणा देवेवाला जयकिशोर साहप्रति हुन विशेष आभार व्यक्त कएलन ।

कार्यक्रमके अन्त्यमे कुशवाहा बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रम समाजके विभिन्न क्षेत्रके व्यक्तित्वसबके अपन अनुभव, विचार आ समस्याके बारेमे खुलके बोलेके अवसर देरहल बतवईत कार्यक्रमके सञ्चालक आ प्राविधिक टोलीके धन्यवाद देलन ।