बज्जिकाञ्चल संवाददाता, असोज ६ गते ।
रौतहटके १८ गो स्थानीय तहके स्वास्थ्य कार्यक्रमके वार्षिक समीक्षा कएला पर कटहरिया नगरपालिका जिल्ला भरमे १८औं अर्थात् सबसे पछिला स्थानमे रहल हए । जिल्ला स्वास्थ्य कार्यालय रौतहट भादो ३१ गते आर्थिक वर्ष २०८२आ०८३ मे सञ्चालन भेल स्वास्थ्य कार्यक्रमके कार्यसम्पादन मूल्यांकन कएले छत, जेमे कटहरिया नगरपालिका सबसे पछिला स्थानमे रहल हए ।

जिल्ला स्तरीय वार्षिक समीक्षा गोष्ठीमे स्थानीय तहके स्वास्थ्य कार्यक्रम, सेवा प्रवाह, कार्यक्रम कार्यान्वयन आ उपलब्धिलगायतके विभिन्न सूचकके आधार पर मूल्यांकन कएल गेल हए । मूल्यांकनमे कटहरियाके स्वास्थ्य कार्यक्रमके कार्यसम्पादन अपेक्षाकृत कमजोर देखल गेल जिल्ला स्वास्थ्य कार्यालय रौतहटके सूचना अधिकारी अनिल कुमार कर्ण बतएले हए ।

कर्णके अनुसार स्वास्थ्यसम्बन्धी कार्यक्रम समय पर सञ्चालन भेलापर आ विभिन्न स्वास्थ्य गतिविधि तथा काम निर्धारित समयमे पूरा नभेल सँघे कटहरियाके कार्यसम्पादन प्रभावित भेल हए । कटहरिया नगरपालिकाके स्वास्थ्य शाखा प्रमुख दिनेश यादव स्वास्थ्य क्षेत्रमे अपेक्षित उपलब्धि हासिल न होएके मुख्य कारणमे जनशक्ति अभाव, औषधि आपूर्तिमे ढिलाइ आ बजेट व्यवस्थापनमे रहल व्यावहारिक समस्या रहल बतएले हए ।
हुनके अनुसार गर्भवती महिलाके एएनसी आ पीएनसी जाँचके लेल आवश्यक जनशक्ति पर्याप्त न हए । एकरा चलते गर्भवती तथा सुत्केरी महिलाके निर्धारित समयमे जाँच करावेमे समस्या होरहल हए । स्वास्थ्य संस्थामे आवश्यक औषधि समय पर उपलब्ध नभेल सँघे सेहो सेवा प्रवाह प्रभावित होरहल यादव बतएले हए । ओही लेखा नेपाल सरकारके सशर्त कार्यक्रम विभिन्न बाधा आ समस्या चलते समय पर सञ्चालन नभेलापर यादवके कहनाम हए ।

बच्चा जन्मलासँघे २४ महिनातक २४ बेर स्वास्थ्य जाँच करेके व्यवस्था रहला पर जनशक्ति अभावके कारण कटहरियामे औसतमे ४–५ बेर मात्र जाँच होरहल यादव जानकारी देले हए । स्वास्थ्य शाखा प्रमुख यादवके अनुसार स्वास्थ्य कार्यालय सञ्चालनके लेल जरूरी स्रोतसाधनके सेहो अभाव रहल हए ।

जनप्रतिनिधिसँघे औषधि खरिदके अलावा स्वास्थ्य क्षेत्रके अन्य कामके लेल पर्याप्त बजेट विनियोजन नभेल सँघे स्वास्थ्य कार्यक्रम प्रभावकारी रूपमे सञ्चालन कएलापर असर पडरहल हए । जिल्ला स्वास्थ्य कार्यालयके समीक्षा अनुसार कटहरियाके स्वास्थ्य क्षेत्रमे कार्यक्रम कार्यान्वयन, जनशक्ति व्यवस्थापन, औषधि उपलब्धता, बजेट व्यवस्थापन आ सेवा प्रवाह मुख्य चुनौतीके रूपमे देखल गेल हए । ई क्षेत्रमे सुधार न कएल गेल त स्वास्थ्य सेवाके पहुँच आ गुणस्तरमे अपेक्षित सुधार लेआबेके कठिन होरहल हए ।

ईहेबीच, ओही वार्षिक समीक्षामे दुर्गा भगवती गाउँपालिका लगातार दोसर बेर जिल्ला भरिमे पहिल स्थान हासिल कएले हए । समीक्षा परिणामसँघे रौतहटके स्थानीय तहबीच स्वास्थ्य कार्यक्रमके कार्यसम्पादनमे उल्लेख्य अन्तर रहल देखल गेल हए ।

