बज्जिकाञ्चल, रौतहट, असिन ६ गते ।
नेपाली कांग्रेसके १५औँ महाधिवेशन अन्तर्गत रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिका–९, धरहरीमे निर्धारित वडा अधिवेशन आपसी विवादके चलते स्थगित भेल हए । वडा अधिवेशनके लेल नेपाली कांग्रेसके वडा सभापति रामचन्द्र राय यादव पक्ष श्री शहीद शिक्षक स्व। सुनील प्राथमिक विद्यालयमे भेला आयोजना कएले रहलन, जबकि पूर्व गा. वि. स. अध्यक्ष कपिलदेव राय यादव पक्षके नेता तथा कार्यकर्ता श्री रामजानकी मठमे जमा भेल रहलन ।

अधिवेशनके स्थानके विषयमे दुनू पक्षबीच सहमति न बने पावल, जेकरा चलते निर्धारित समयमे अधिवेशन सञ्चालन न होए सकल । कपिलदेव राय यादव पक्ष सब पक्षके लेल उपयुक्त आ सहज होए वाला स्थानमे अधिवेशन करेके अडान राखले जनावल गेल हए । ओही क्रममे रामचन्द्र राय यादव पार्टी छोड़के स्थानीय तहके निर्वाचनमे कांग्रेसके उम्मेदवारके विरुद्ध स्वतन्त्र उम्मेदवारके रूपमे चुनाव लडे वाला व्यक्तिके वडा सभापतिके जिम्मेवारी स्वीकार न करे सकल, अइसन दाबी कएलन ।

२०७९ सालके स्थानीय तहके निर्वाचनमे रामचन्द्र राय यादव कांग्रेससे अलग होएके वडा अध्यक्ष पदके लेल स्वतन्त्र उम्मेदवार बनल रहलन । कांग्रेसके स्थानीय नेतासबके अनुसार इहे विषयके कारण पार्टीभित्तर लमहर समयसे असन्तुष्टि रहईत आएल हए । ईहे बीच युवा नेता विवेक यादव वडा सभापति रामचन्द्र राय यादव पक्ष बितल फागुनमे सम्पन्न प्रतिनिधिसभाके निर्वाचनमे जनता समाजवादी पार्टी नेपालके उम्मेदवारके समर्थन करेके आरोप लगएले हए ।

यादव पक्षले जबकि अपन वडा सभापति रहलासे पार्टीके निर्धारित प्रक्रिया अनुसार अपन तोकल स्थानमे सब प्रतिनिधि सहभागी होएके अडान राखेके जनावल गेल हए । दुनू पक्ष आ–आपन अडानमे कायम रहलाबाद अधिवेशन स्थलमे विवाद उत्पन्न भेल नेतासब बतवले छत । अधिवेशनके लेल तोकल स्थानमे आवश्यक वडा प्रतिनिधि, अधिवेशन पर्यवेक्षक आ निर्वाचन अधिकृतसमेत उपस्थित न भेल ।

एही चलते अधिवेशन स्थगित करेके जानकारी देल गेल हए । वडा सभापति रामचन्द्र राय यादवके अनुसार आवश्यक प्रतिनिधि, पर्यवेक्षक मुकेश कुमार यादव आ निर्वाचन अधिकृत प्रमोद यादवके उपस्थिति न भेल, जेकरा कारण आजके लेल अधिवेशन स्थगित करेके पडल हए ।

।
अधिवेशन फेर कहिआ आ कहाँ सञ्चालन करेके, ई विषयमे सम्बन्धित पक्षबीच समन्वय करके निर्णय लेल जाएत, यादव बतएलन । अधिवेशन स्थगित भेला के बाद देवाही गोनाही–९ मे नेपाली कांग्रेसके स्थानीय संगठनभित्तर रहल आपसी विवाद फेर सतहपर आएल हए । विवाद समाधान करके सहमतिका आधारपर अधिवेशन आगे बढावेके लेल दुनू पक्षबीच समन्वय जरूरी रहल स्थानीय नेतासबके कहनाम हए ।

