आरके श्रीवास्तव, रौतहट, असोज ६ गते ।
रौतहटके कटहरिया नगरपालिका वडा नम्बर ८ स्थित पिपरा पोखरिया टोलमे बहुत दिनसे रहल बिजलीके समस्या अब सुल्झ गेल हए । बिजलीके कमी, कम भोल्टेज आ बार बार ट्रिपिङके समस्या झेल रहल स्थानीय लोगके राहत देवेके लेल वडा अध्यक्ष समिश विक्रम शाहके विशेष पहलमे १०० केभीएके नयां ट्रान्सफर्मर जडान कएलगेल हए ।

एकरा पहिले टोलामे दूगो ट्रान्सफर्मर सञ्चालनमे रहला पर गाउवभरके बिजलीके लोड धान नइ सकला से बार बार बिजली सेवा अवरुद्ध होइत रहल । भोल्टेज बहुत कम रहलाके कारण घरमे रहल बिजलीके उपकरण चलावेमे दिक्कत होइत आरहल आ स्थानीयके दैनिक जनजीवनो प्रभावित हारहल रहे ।स्थानीयके समस्या गम्भीरतापूर्वक लेल वडा अध्यक्ष समिश विक्रम शाह नेपाल विद्युत् प्राधिकरण मौलापुर वितरण केन्द्रसँघे लगातार समन्वय आ पहल करईत रहलन ।

हुनकर पहल आ प्रयासके बाद मौलापुर वितरण केन्द्रसँघे १०० केभीएके नयां ट्रान्सफर्मर मंगवाके सफलतापूर्वक जडान कएलगेल हए । नयां ट्रान्सफर्मर सञ्चालनमे आएला सँघे पिपरा पोखरिया टोलामे भोल्टेजमे सुधार होईत आ बार बार ट्रिपिङ होएके समस्या सेहो कम होएके अपेक्षा कएल गेल हए ।

बिजली आपूर्ति सहज आ नियमित भेला सँघे स्थानीय वडावासीमे खुशी छागेल हए । समस्या समाधानके लेल पहल कएला पर स्थानीय लोग वडा अध्यक्ष शाहके धन्यवाद देइत आभार व्यक्त कएलगेल हए । वडाके समग्र विकास आ नागरिकके समस्या समाधानमे अपना सदैव प्रतिबद्ध रहल बतवईत वडा अध्यक्ष शाह आगामी दिनमे सेहो वडावासीके हितमे लगातार काम करईत आरहल प्रतिबद्धता व्यक्त कएलगेल हए ।

