रामअधार यादब,रौतहट, असिन ७ गते ।

रौतहटके कटहरियासे प्रसारण होईत बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जसे प्रत्येक एतवारके दुपहरके ३ः१५ बजेसे ४ बजेतक प्रसारण होईत आएल ‘सुनाई अपन प्रतिभा’ कार्यक्रमके विजेता जोगेन्द्र गिरीके पुरस्कारसहित सम्मान कएल गेल हए ।

वृन्दावन नगरपालिका–८ निवासी गिरी मधेश रेडियो श्रोता संघके सदस्य हुन हए । ज्ञान आ प्रतिभासँघे सम्बन्धित विषयमे गतिविधि सञ्चालन होईत आएल उक्त कार्यक्रममे उत्कृष्ट प्रदर्शन कएल गिरीके बुधके एक कार्यक्रमके बीच बज्जिकाञ्चल एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव, स्टेशन म्यानेजर सागर संगम ठाकुर आ कार्यक्रम प्रस्तोता रामअधार यादव संयुक्त रूपमे सम्मान कएलन ।

‘सुनाई अपन प्रतिभा’ कार्यक्रमके सञ्चालन कार्यक्रम प्रस्तोता रामअधार यादव करइत आएल छत । प्रतिभामे आधारित ई कार्यक्रम विद्यार्थी आ युवामे रहल ज्ञान, क्षमता आ प्रतिभाके पहिचान करके हुनके प्रोत्साहित करेके उद्देश्यसँघे सञ्चालन कएल जा रहल एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव जानकारी देलन ।

 

कार्यक्रममे विजेताके प्रदान कएल जाएवाला पुरस्कारके व्यवस्थापन कटहरियामे रहल नसरुदिन अंसारी जी के कपडा दुकान करत आएल हए । शिक्षा आ ज्ञानसँघे सम्बन्धित कार्यक्रममे उत्कृष्ट प्रदर्शन करेवाला प्रतिभाके पुरस्कार प्रदान करईत आएल एफएमके सञ्चालक आरके श्रीवास्तव जानकारी देलन ।

सम्मान आ पुरस्कार प्राप्त कएला पर विजेता जोगेन्द्र गिरी खुशी व्यक्त करईत ज्ञानवर्धक कार्यक्रमसे आपन ज्ञान बढावेके अवसर मिलल आ आगू आ मेहनत करेके उत्साह मिलल बतएलन । बज्जिकाञ्चल एफएमसे शिक्षा, ज्ञान आ प्रतिभा प्रवद्र्धनके प्राथमिकतामे राखके सञ्चालन कएल जा रहल ‘सुनाई अपन प्रतिभा’ कार्यक्रम स्थानीय विद्यार्थी आ युवामे प्रतिस्पर्धाके भावना विकास करावेके साथे आपन ज्ञानके परीक्षण करेके अवसर प्रदान करईत आएल हए ।

कार्यक्रममार्फत उत्कृष्ट प्रदर्शन करेवाला प्रतिभाके निरन्तर सम्मान आ प्रोत्साहन कएल जाएत, बज्जिकाञ्चल मिडिया प्रालिके सञ्चालक श्रीवास्तव जानकारी देलन ।