रामअधार यादव , रौतहट, असिन ३ गते ।
रौतहटके वृन्दावन नगरपालिका–८ के वडाध्यक्ष रविन्द्र प्रसाद साह अपना कार्यकालमे वडा भीतर १४ करोड़ रुपैयासे बेसीके विकास निर्माणके काम पूरा भेल दाबी कएले हए ।

शनिचरके बज्जिकाञ्चल एफएमके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे प्रस्तोता आरके श्रीवास्तवसे बातचीत करईत साह कहलन कि २०७९ सालमे निर्वाचित भेला के बाद राजनीतिक अवस्था अलग रहलाक बावजूद वडाके सब नागरिकके समान रूपसे समेटके विकास निर्माणके काम करईत आएल हए ।

हुनकर कहल अनुसार वडामे खानेपानी, सड़क, नाला, ढलान, छठघाट, मठ–मन्दिर, ब्राह्मण स्थानके बाउन्ड्रीवाल, बिजली, शिक्षा आ स्वास्थ्यलगायतके क्षेत्रमे विभिन्न विकास योजना सञ्चालन भेल हए ।

खानेपानीके क्षेत्रमे मात्र करीब ५ करोड़ रुपैया खर्च भेल आ पिपरियावाला सड़कमे करीब ४३ लाख रुपैया लगाके ग्राभेल आ रोलरके काम कएल गेल, वडाध्यक्ष साह बतएलन ।

बहुवरी–बरगजवा जोड़ेवाला सड़कके स्तरोन्नति आ कालोपत्रेके काम लेल पहल जारी रहल साह बतएलन । पिपरियामे लमहर समयसे अधूरा पड़ल पुलके काम जल्द पूरा करावेके लेल सरकार आ सम्बन्धित निकायसे आग्रह कएल गेल हुनकर कहनाम हए ।

वडामे सञ्चालन भेल विकास योजनाके लागतसहितके विवरण सार्वजनिक करेके लेल आ तयार रहल बतवईत साह विकास निर्माणमे पारदर्शिता कायम करेके लेल प्रतिबद्ध रहल दाबी कएलन ।

स्थानीय तहके मिलल अधिकार आ उपलब्ध स्रोत–साधन विकास निर्माण लेल पर्याप्त न रहल हुनकर कहनाम हए । स्थानीय तहमे आउर बजेट, आवश्यक जनशक्ति आ प्रभावकारी कानुनी व्यवस्था जरूरी रहल बतवईत साह सीमित स्रोत–साधनके बावजूद जनताके आवश्यकता पूरा करइत विकासके कामके निरन्तरता देरहल दाबी कएलन ।

व्यवसाय आ राजनीतिके विषयमे बात करईत साह कहलन कि अपन राजनीतिके व्यवसाय न बनएले । व्यवसायसे मिलल अनुभवके वडाके विकास आ स्थानीय आर्थिक गतिविधिमे प्रयोग करईत रहल बतवईत ई कहलन कि अपन इँटा उद्योगसे करीब ४५० जनाके रोजगारी मिल रहल हए ।

जनप्रतिनिधिके रूपमे राजनीतिक दबाव, स्थानीय विवाद आ नागरिकके व्यक्तिगत अपेक्षाके चुनौती रहल बतावत साह कहलन कि ई सबके बावजूद अपन जनसेवा आ विकास निर्माणके कामसे पीछे न हटल । सब पक्षके समेटके वडाके विकास आ जनताके सेवामे आगाडी बढरहल हुनकर कहनाम हए ।

वडाध्यक्ष साह वृन्दावन–८ मे युवामे लागूऔषधके प्रयोग बढलाके तत्कालके प्रमुख समस्यामे से एगो बतएलन । गाँजा, चरेस, भाङलगायत लागूऔषधके प्रयोग नियन्त्रण लेल स्थानीय समुदाय, अभिभावक आ सम्बन्धित सरकारी निकायके मिलजुलके पहल करेके जरूरी रहल ई जोर देलन ।

आगामी स्थानीय तह निर्वाचनमे अपन राजनीतिक रूपसे सक्रिय रहलके संकेत देईत साह कहलन कि अपन कएल काम, जनतासे व्यवहार आ जनसेवाके मूल्यांकन करेके जिम्मेवारी जनताके हए । मतदातासबके उम्मेदवारके काम, इमानदारी, व्यवहार आ जनताप्रतिके प्रतिबद्धता देखलाके बाद मतदान करेके आग्रह हुन कएलन ।

