बज्जिबाञ्चल संवाददात,रौतहट,०२ गते आसीन ।
रौतहटके कटहरियासे प्रसारण होईत आएल बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जमे आज धुमधामसे भगवान विश्वकर्माके पूजा सम्पन्न कएल गेल हए ।

एफएम परिसरमे आयोजना कएल विशेष पूजामे बज्जिकाञ्चल एफएमके सञ्चालक आर.के श्रीवास्तव आ प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव पण्डितद्वारा उच्चारण कएल वैदिक मन्त्रोच्चारणके साथ विधिपूर्वक भगवान विश्वकर्माके पूजा(आराधना कएलन ।

विश्वकर्मा पूजाके अवसरपर एफएममे रहल सञ्चार तथा प्राविधिक उपकरण, मेसिनरी सामग्रीलगायतके सामानके विधिपूर्वक पूजा कएल गेल हए ।

पूजाके दौरान संस्थाके निरन्तर प्रगति, सफलता आ शान्तिके कामना कएल गेल हए । पूजामे एफएम परिवारके सदस्य तथा कर्मचारीसबके सहभागिता रहल रहे । हरेक वर्ष विश्वकर्मा पूजाके विशेष रूपसे मनवइत आएल बज्जिकाञ्चल एफएम ई वर्षो श्रद्धा आ भक्तिभावके साथ भगवान विश्वकर्माके पूजा सम्पन्न कएलगेल हए ।

