सागर संगम ठाकुर, रौतहट ।
रौतहटके कटहरियामे रहल वैदेही हेल्थ केयर सेन्टर हस्पिटल स्थानीय नागरिकके लक्षित करके विभिन्न स्वास्थ्य सेवा आ उपचारके सुविधा देईत आएल हए । अस्पतालके डा. ज्ञानेन्द्र कुमार सिंहके अनुसार अस्पतालमे एक्स–रे, ईसीजी, इको लगायत विभिन्न स्वास्थ्य परीक्षणके सुविधा उपलब्ध हए ।

अस्पतालमे बालबालिका, महिला आ पुरुष विभिन्न स्वास्थ्य समस्या लेके उपचारके लेल आवैत रहलन । बालबालिकामे खोकी, ज्वरो आ निमोनिया जइसन समस्या देखल जा रहल डा. सिंह बतएलन । ओहिलेखा महिलामे पेट दुखाइ, महिनावारीमे गडबडी, गर्भावस्थासम्बन्धी समस्या तथा पुरुषमे घुँडा, कम्मर आ हड्डीसँघे सम्बन्धित समस्या देखल जा रहल हुन बतएलन ।

महिलामे बहुत बेसी पेट दुखाइ, औषधि खएला पर भी दुखाइ कम न होएके आ असामान्य रक्तस्राव होएके त तत्काल स्वास्थ्य संस्थामे जाँच करावेके डा. सिंह सुझाव देलन । स्वास्थ्य समस्या नुकाके राखेके बजाय समयमे चिकित्सकके परामर्श लेके उपचार करावेके हुन कहलन । मुटुसम्बन्धी समस्या पहिचानके लेल अस्पतालमे ईसीजी आ इको परीक्षणके सुविधा रहल जनावल गेल हए ।

इको परीक्षणसे मुटुके विभिन्न भाग आ भल्भके अवस्था तथा ईसीजीसे मुटुके धड्कन आ विद्युतीय गतिविधिके बारेमे जानकारी मिलसकइअ डा. सिंह बतएलन । स्वस्थ रहलके लेल समयमे खाना खाए, पर्याप्त पानी पिउ, नियमित व्यायाम करेके आ सन्तुलित खानपानमे ध्यान देवेके हुन आग्रह कएलन ।

अत्यधिक तेलयुक्त खाना, फास्ट फुड आ ठनढा पेय पदार्थके सेवन कम करेके सुझाव देईत हुन प्रारम्भिक अवस्थामे स्वास्थ्यकर्मीके परामर्श लेके समयमे उपचार करावल जरूरी रहल बतएलन ।

