विवेक शर्मा,रौतहट,३० गते साउन । 

फतुवा विजयपुर । नेपाल विश्वकर्मा लोहार संघके फतुवा विजयपुर नगरपालिका नगर भेला भव्यताके साथ सम्पन्न भेल हए । भेला दिनेश ठाकुरके अध्यक्षतामे १५ सदस्यीय नगर समिति सर्वसम्मत रूपमे गठन कएले हए । संघके अध्यक्ष विवेक शर्माके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेलामे संघके सचिव रामलाल ठाकुर तथा अगुवा रामबालक ठाकुरके विशेष उपस्थिति रहल रहे । भेलाके सम्बोधन करइत अध्यक्ष विवेक शर्मा लोहार समुदायके हकहित, अधिकार तथा समग्र जातीय विकासके लेल बरियार संगठनात्मक एकता आवश्यक रहल बतएले हए। हुन समुदायके पहिचान, अधिकार आ समृद्धिके लेल आपसी भाइचारा, एकता तथा संस्थागत पहलके प्राथमिकता देबेकेपरी जोड देले हए । भेलासे गठित नगर समितिके अध्यक्षमे शितलपुरके दिनेश ठाकुर, उपाध्यक्षमे टेङ्ग्राहाके ओपिन्द्र ठाकुर, सचिवमे सन्तपुरके रूपेश ठाकुर, कोषाध्यक्षमे बैगनियाके राजेन्द्र ठाकुर आ सहसचिवमे डुमरियाके श्याम ठाकुर चयन भेल हए । ओइसहिकरके सदस्यसबमे शितलपुरके श्याम ठाकुर, रामदासीके रबिन्द्र ठाकुर, डुमरियाके बैद्यनाथ ठाकुर, सन्तपुरके रामईश्वर ठाकुर, पेटभर्वाके रंजित ठाकुर, फतुवाके बिजुली ठाकुर, विजयपुरके रामबालक शर्मा, भैसहीके शम्भु ठाकुर, खैराके भोवाली ठाकुर आ बैगनियाके अवधेश ठाकुर चयन भेल हए ।

भेला संस्थाके नीतिगत मार्गदर्शन प्रदान करके ७ सदस्यीय सल्लाहकार समिति समेत चयन कएले हए । सल्लाहकार समितिमे पेटभर्वाके जयमंगल ठाकुर, विजयपुरके नथुनी ठाकुर आ रमन ठाकुर, टेङ्ग्राहाके योगेन्द्र ठाकुर, सन्तपुरके बिरेन्द्र ठाकुर, शितलपुरके राकेश ठाकुर तथा लक्ष्मीनियाके सुनर ठाकुर रहल हए ।

नवनिर्वाचित समिति लोहार समुदायके हक, अधिकार, पहिचान आ सामाजिक–आर्थिक विकासके क्षेत्रमे सक्रिय भूमिके निर्वाह करेके अपेक्षा कएले हए । भेलाके सहभागीसब संगठनके थप सुदृढ बनवइत समुदायके साझा समस्या समाधानके लेल एकताबद्ध भेल अगाडि बढेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएले हए ।