बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,१७ गते वैशाख ।

लेखक दिवस २०८३ के अवसरपर बाराके साहित्यकार माधवप्रसाद गौतम सम्मानित भेल छत । नेपाली लेखक संघ पर्साके अध्यक्ष तथा कथाकार विनयराज गौतम आ भोजपुरी साहित्यकार गोपाल अश्क गाँओमे ही पुगके साहित्यकार गौतमके सम्मानित कएले छत ।

बारा जिला पिपरा बसतपुर गाँओके रहनिहार ९६ वर्षीय साहित्यकार माधवप्रसाद गौतमके दीर्घजीवन, अनुभव, सामाजिक योगदान आ साहित्यप्रतिके लगावके कदरस्वरुप सम्मानपत्र, माला तथा शुभकामना प्रदान कएलगेल हए । साहित्यकार गौतमके गाँओमे ही सम्मान कएलगेल कार्यक्रममे स्थानीयवासीके उलेख्य सहभागिता रहल रहे ।

कार्यक्रममे साहित्य, संस्कृति आ पुस्तान्तरणके महत्त्वबारे भी चर्चा कएलगेल रहे । कार्यक्रमके वक्तालोग समाजमे साहित्यिक चेतना फैलाबेला अइसन कार्यक्रमके महत्त्वपूर्ण भूमिका रहल बतएले रहलन । सम्मानसे स्थानीय साहित्यिक वातावरणके आउर प्रोत्साहित करेके विश्वास व्यक्त कएलगेल हए । कार्यक्रम सुन्दर वातावरणमे सम्पन्न भेल रहे ।