बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,१७ गते वैशाख ।

रौतहटके गरुडा नगरपालिका ४ गरुडा निवासी गोविन्द कुमार साह अब डा. गोविन्द कुमार साह बनल छत । त्रिभुवन विश्वविद्यालय कीर्तिपुरसे साह अन्तर्राष्ट्रिय सम्बन्ध आ कूटनीति विषयपर पिएचडि उपाधि हासिल कएले छत ।

रौतहटके गरुडा ४ मे रहल सामुदायिक विद्यालयसे विद्यालय तहके अध्ययन पूरा करइत विभिन्न देशसे डिप्लोमा आ मास्टर्स उपाधि प्राप्त कएले साह त्रिविसे हालहीमे पिएचडिके सम्पूर्ण प्रक्रिया आ चरण पूरा करइत उपाधि प्राप्त कएले छत ।

पिएचडिके डिन प्रोफेसर डा. दुबिन्द ढकाल डा. साहके पिएचडिके उपाधि प्रदान कएले छथिन । सेवा आ राजनीतिके साथे समाजसेवामे भी निरन्तर क्रियाशील डा. साह युवावर्गके एगो प्रेरणाके स्रोत रहल छत ।