बज्जिकाञ्चल संवाददाता,रौतहट,०२ गते वैशाख ।
रौतहटके मौलापुरमे ब्रह्मबाबा मन्दिरके शिलान्यास कएलगेल हए । मौलापुर नगरपालिका ५ मौलापुर टोलामे बुधके दिन मन्दिरके शिलान्यास कएलगेल हए । चालु आर्थिक वर्षमे विनियोजन कएलगेल ४० लाख रुपैयाके लागतमे मन्दिरके निर्माण होएवाला भेल हए ।
आवश्यकता परलापर थप आउर रकम भी मन्दिरके लेल निकासा कएल जाएके जानकारी कराएल गेल हए । पहिलेसे रहल ब्रह्मबाबाके मन्दिर पुरान आ जीर्ण होगेलासे आधुनिक आ स्तरीय मन्दिर बनाबेला नयाँ मन्दिरके शिलान्यास कएलगेल हए । ब्रह्मबाबाके मन्दिरके निर्माण स्थानीयवासीके माग रहलासे मन्दिरके शिलान्यास कएलगेलापर स्थानीयमे खुसीके संचार भेल हए ।

