रामअधार प्रसाद यादव,रौतहट २१ गते चैत
रौतहटके गरुडा नगरपालिका–७, पिपरिया निवासी त्रिलोकीप्रसाद यादव किर्गिस्तानके बिस्केकमे आयोजना हुन दु अन्तर्राष्ट्रियस्तरके कुस्ती प्रतियोगितामे प्रतिस्पर्धा करके छनोट भेल हए । अप्रिल ५ से १२ तारिखसे सञ्चालन हुन सिनियर एसियाली कुस्ती प्रतियोगिता आ अप्रिल १२ से १४ तारिखे हुन सिनियर एसियाली बेल्ट कुस्ती (एलिस) प्रतियोगितामे नेपाली टोली सहभागि जनएले भेल हए । प्रतियोगितामे पुरुषतर्फ ७४ केजी तौल समूहमे सुरेश चुनारा आ ९७ केजी तौल समूहमे त्रिलोकीप्रसाद यादव नेपालके प्रतिनिधित्व कएले चुनौती प्रस्तुत कएले हए । चुनारा बितल वर्ष भारतमे सम्पन्न एसियाली बेल्ट कुस्ती प्रतियोगितामे कांस्य पदक जितल उल्लेखनीय सफलता हासिल कएले हए । टोलीके प्रशिक्षक मुम्ताज अली इद्रिसी रहल हए । खेलाडीसहित तीन सदस्यीय नेपाली टोली चईत २४ गते किर्गिस्तान प्रस्थान करेके तयारीमे रहल हए । उक्त प्रतियोगितामे नेपाली खेलाडीसबके प्रदर्शनके महत्वपूर्ण रूपमे देखले हए।

