रामअधार यादव, रौतहट, असोज २१ गते ।
रौतहटके गरुडामे वडा दशैंके अवसर पारके स्व. मनोजकुमार चौधरी स्मृति १५ मे म्याराथन दौड़ प्रतियोगिता आयोजना होए वाला हए । रेडियो मधेस मसाला १०६.४ मेगाहर्ज, गरुडा–४के आयोजनामे अगिला असोज ३१ गते सोमारके सप्तमी अर्थात् फूलपातीके दिन म्याराथन प्रतियोगिता सञ्चालन होईत हए । आयोजकके अनुसार प्रतियोगिता बिहान ६ बजे गरुडामे रहल दुर्गा मन्दिरसे सुरु होईत हए ।

दौड़ प्रतियोगिताके दूरी गरुडा दुर्गा मन्दिरसे नेपाल पुलिस स्कुल जिंगडिया होइत फेरु गरुडा दुर्गा मन्दिरधरि रहल हए । प्रतियोगितामे १६ वर्ष पूरा भेल आ ३५ वर्षसे कम उमेरके नेपाली नागरिक सहभागी हो सकईत हए । प्रतियोगितामे सहभागी होएल लेल आवेदन फारम शुल्क १५० रुपईया तोकल गेल हए । इच्छुक व्यक्ति रेडियो मधेस मसाला १०६.४ मेगाहर्ज, गरुडा आ नेपाल प्रिन्टिङ प्रेस, महम्मदपुर रोड, गरुडासे फारमके सकेत हए। आवेदन फारम भरेके अन्तिम मिति असोज ३० गते साँझ ६ बजेतक तोकल गेल हए । सहभागीसभके नेपाली नागरिकताके प्रतिलिपि एक प्रति आ पासपोर्ट साइजके फोटो दुई प्रति बुझावेके होईत हए ।

प्रतियोगितामे पहिलका स्थान प्राप्त करे वला प्रतियोगीके फ्रिज, दोसरा स्थानके साइकल, तेसरा स्थानके राइस कुकर आ चौथा स्थान प्राप्त करे वलाके इलेक्ट्रिक जग पुरस्कार देल जाईत हए । आयोजकके नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ नेपाली सेनामे कार्यरत कर्मचारीसभके प्रतियोगितामे सहभागी होएल न देवे स्पष्ट कएल हए ।

प्रतियोगितासँघे सम्बन्धित थप जानकारीके लेल रबिन्द्र पटेल ९८४५००१४४० आ नितेश चौधरी ९७६५६८०८३० नम्बरमे सम्पर्क कएल जा सकेत आयोजकके जनएले हए । रेडियो मधेस मसाला प्रालिके अध्यक्ष बृजकिशोर प्रसाद यादवके अनुसार हरेक साल वडा दशैंके अवसरमे आयोजना होईत आएल ई म्याराथन प्रतियोगितासे युवासभमे खेलकुदप्रति आकर्षण बढ़ावेके साथ स्वास्थ्य आ अनुशासनके सन्देश देवेके उद्देश्य रहल हए ।

