रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके कर्मचारी लम्बा समयसे रोकल तनखा–भत्ता तुरन्त देवेके माग करईत नगर कार्यपालिकाके १३ बुँदे मागपत्र बुझएले हए । कर्मचारीसभे दशैंसे पहिले पुरान बक्यौता आ चालू आर्थिक वर्षके तनखा–भत्ता भुक्तानी करेके माग करईत असोज २१ गते धरि अल्टिमेटम देले हए । स्थायी, करार आ दैनिक ज्यालादारीमे काम कर रहल कर्मचारीसभे तनखा–भत्ता रोकलासे दैनिक जीवन चलावेमें समस्या हो रहल बतएले नगर नेतृत्वके ध्यानाकर्षण करएले हए । कर्मचारीसभे स्वीकृत दरबन्दीअनुसार काम कर रहल करार कर्मचारीके म्याद तुरन्त थप करईत पारिश्रमिक देवेके माग करले हए ।

स्वीकृत दरबन्दीभित्र रहल कर्मचारीके हटावे वा संख्या घटावेके काम न करेके, पोशाक, चाडपर्व आ महँगा भत्ता उपलब्ध करावेके माग सेहो कर्मचारीसभे कएले हए । ओही तरह वडा कार्यालयमे काम कर रहल वडा सचिवके आवश्यक कार्यालय सञ्चालन खर्च उपलब्ध करावे, नगरपालिकाके खर्च करेके अख्तियारी आ बैंक खाता तुरन्त सञ्चालनमे लियावे तथा स्वीकृत दरबन्दीअनुसार कर्मचारीसभेके जिम्मेवारी देवेके माग राखल गेल हए ।

वडा आ विषयगत शाखामे आवश्यकता अनुसार कर्मचारी व्यवस्थापन करेके, प्रचलित ऐन, नियम आ कार्यविधिअनुसार काम करेके वातावरण बनावेके तथा करार कर्मचारीके सामाजिक सुरक्षा कोषमे आबद्ध करेके माग सेहो ज्ञापनपत्रमे राखल गेल हए । कर्मचारी कल्याण कोष, बीमा आ कर्मचारीसभेसँद्दे सम्बन्धित पहिलेसे बाँकी रहल अन्य रकमसमेत तुरन्त भुक्तानी करेके माग कर्मचारीसभे कएले हए । कर्मचारीसभेके अनुसार, ई सभ विषयमे पहिले सेहो बार बार मौखिक रूपमे नगर नेतृत्वके ध्यानाकर्षण करावल गेल रहे, लेकिन ठोस पहल न हो सकलन ।

एही कारण एहि बेर लिखित रूपमे १३ बुँदे माग राखईत असोज २१ गतेभित्र माग सम्बोधन न भेल त शान्तिपूर्ण दबाबमूलक कार्यक्रम आगा बढल चेतावनी देले हए । दशैं नजिक आएला पर तनखा–भत्ता अनिश्चित रहलासे कर्मचारीसभे नगरपालिकाके तुरन्त समस्या समाधान करेके दबाब देले हए।

