आरएन पटेल, रौतहट, असोज ८ गते।

रौतहटके बृन्दावन नगरपालिकामे नयां प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतके रूपमे लिला कुमारी केसी पाण्डे पदभार ग्रहण कएले छत । नगरपालिकाके जनप्रतिनिधि तथा कर्मचारी सब हुन स्वागत करईत सफल कार्यकालके शुभकामना देले बाडन ।

विभिन्न स्थान तथा कार्यालयमे प्रमुख प्रशासकीय अधिकृतके जिम्मेवारी कुशलतापूर्वक निर्वाह करईत प्राप्त कएल अनुभव, प्रशासनिक दक्षता तथा नेतृत्व क्षमताके आधार पर हुन कार्यकालमे नगरपालिकाके सेवा प्रवाह आ प्रभावकारी, पारदर्शी तथा जनमुखी बनाबेके अपेक्षा कएल गेल हए ।

अनुभवी महिला प्रशासकके रूपमे केसी पाण्डेके नेतृत्वमे बृन्दावन नगरपालिकाके सुशासन, पूर्वाधार विकास, शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि तथा नागरिकमैत्री सेवा प्रवाहमे सकारात्मक योगदान पुगेके जनप्रतिनिधि सब विश्वास व्यक्त कएले छत ।

पदभार ग्रहण कएला के साथे नगरपालिकाके समग्र विकास तथा सेवा प्रवाहके प्राथमिकतामे राखके नयां सोच, ऊर्जा तथा प्रभावकारी प्रशासनिक नेतृत्वके साथे आगाडि बढेके अपेक्षा कएल गेल हए । बृन्दावन नगरपालिकाके जनप्रतिनिधि सब प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत लिला कुमारी केसी पाण्डेके कार्यकाल सफल, सुखद तथा उपलब्धिमूलक होएके कामना करईत हार्दिक बधाई तथा शुभकामना व्यक्त कएले छत ।