रामअधार यादव, रौतहट, भादो, १८ गते

रौतहटके कटहरियासे प्रशारण बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्ज प्रत्येक शनिचरके सबेरे ११ बजेसे १२ बजेतक प्रसारण करइत आएल कार्यक्रम ‘ब्रेन चेक’ के विजेता कटहरिया नगरपालिका–५ कटहरिया निवासी सचिन यादवके पुरस्कार सहित सम्मान कएलगेल हए ।

शिक्षासँद्दे सम्बन्धित विषयमे प्रश्नोत्तर तथा ज्ञानवद्र्धक गतिविधि सञ्चालन होइत आएल उक्त कार्यक्रमके विजेता यादवके आजु बुधके एक कार्यक्रमबीच बज्जिकाञ्चल एफएमके स्टेशन म्यानेजर सागर संगम ठाकुर, कार्यक्रम प्रस्तोता जयलाल यादव संयुक्त रूपमे सम्मान कएलगेल हए ।

‘ब्रेन चेक’ कार्यक्रम प्रस्तोता जयलाल यादव सञ्चालन करइत आएल हए । शिक्षा तथा सामान्य ज्ञानमे आधारित उक्त कार्यक्रम विद्यार्थी तथा युवाके ज्ञान, क्षमता आ प्रतिभा पहिचान करेके हुनसबके प्रोत्साहित करेके उद्देश्य राखलगेल एफएमके प्रबन्ध निर्देशक सरिता कुमारी श्रीवास्तव जानकारी देले हए ।

कार्यक्रममे विजेताके प्रदान करेके पुरस्कारके व्यवस्थापन बाल कल्याण विद्या मन्दिरके प्रबन्ध निर्देशक बैजु दास कथबनिया करइत आएल हए । अइसहि कटहरिया बहुमुखी क्याम्पसके प्रमुख गजेन्द्र प्रसाद यादव आ लेखा प्रमुख रामनिवास प्रसाद यादव समेत पुरस्कार व्यवस्थापनमे सहयोग करइत आएल हए । कार्यक्रम अन्तर्गत विजेताके डायरी,पेन,पुस्तक,क्यालेण्डर पुरस्कार प्रदान कएलगेल व्यवस्था रहल जनावलगेल हए । शिक्षा तथा ज्ञानसँद्दे सम्बन्धित प्रश्नोत्तरमे सहभागी होइत उत्कृष्ट प्रदर्शन करेला प्रतिभाके प्रत्येक शनिचरके पुरस्कार प्रदान करइत आएल एफएमके संचालक आरके श्रीवास्तव जानकारी देले छत ।

कार्यक्रमके विजेता सचिन यादव पुरस्कार प्राप्त कएलापर भि खुसी व्यक्त करइत अइसन ज्ञानवद्र्धक कार्यक्रम विद्यार्थीके अध्ययनप्रति थप उत्साहित बनावलगेल बतएलन ।

बज्जिकाञ्चल एफएम शिक्षा, ज्ञान तथा प्रतिभा प्रवद्र्धनके प्राथमिकतामे राखइत सञ्चालन कएलगेल ‘ब्रेन चेक’ कार्यक्रम स्थानीय विद्यार्थी तथा युवामे प्रतिस्पर्धात्मक भावना विकास करेके साथे अपन ज्ञान परीक्षण करेके अवसर प्रदान करइत आएल हए ।

कार्यक्रममार्फत उत्कृष्ट प्रदर्शन करके प्रतिभाके निरन्तर सम्मान आ प्रोत्साहन करेबाला बज्जिकाञ्चल मिडिया प्रालिके संचालक श्रीवास्तव जनएले छत ।