सागर संगम ठाकुर रौतहट , भदौ १६ गते
रौतहटके कटहरिया प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रके निर्माणाधीन भवन लमहर समयसे अलपत्र अवस्थामे रहल कहइत स्थानीयस्तरमे चासो बढल हए । निर्माण कार्य पूरा नगरी ठेकेदार भवन निर्माणमे प्रयोग होएबाला सामग्री अन्यत्र लेजाएके खोजेके अवस्थामे पूर्वनगर प्रमुख शियाराम कुशवाहाके नेतृत्वमे गेल टोली ट्याक्टर नियन्त्रणमे लेबेके निर्माण सामग्री फिर्ता करावलगेल हए ।

कटहरिया प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रके निर्माणाधीन भवनमे प्रयोगके लेल राखल इँटा लगायतके निर्माण सामग्री सम्बन्धित पक्षके जानकारी हि नदेके ट्याक्टरमे लोड करके अन्यत्र लेजाएके खोजेके सूचना मिललाबाद पूर्वनगर प्रमुख कुशवाहाके नेतृत्वमे स्थानीयके टोली निर्माणस्थल पुगल हए ।

टोली सामग्री बोकके लेजारहल ट्याक्टर नियन्त्रणमे लेलाबाद ओमे लोड कएल निर्माण सामग्री पुनः निर्माणस्थलमे अनलोड कराबेके जनावलगेल हए । पूर्वनगर प्रमुख कुशवाहाके अनुसार भवन निर्माण कार्य सम्पन्न नकरके निर्माण सामग्रीसमेत अन्यत्र लेजाएके खोजले गम्भीर विषय भेल बतएले हए ।

सार्वजनिक प्रयोजनके ेल निर्माण होरहल स्वास्थ्य संस्थाके भवन निर्माण कार्यके बीचमे अलपत्र पारके ठेकेदार कम्पनी सम्पर्कविहीन होएके मनसायसे सामग्री लेजाएके खोजले हुनकर आशंका हए ।

