बज्जिकाञ्चल एफएम संवाददाता, कार्तिक १२ गते ।
रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिका–११ स्थित दुधिअवा–बालचनपुर सडकखण्डमे ट्रैक्टर आ मोटरसाइकल आमने सामने टकरएला पर एक प्रहरी जवानके मौत हो गेल हए । दुर्घटनामे मोटरसाइकल पर सवार हुनकर घरबाली सेहो गम्भीर रूपसे घायल हो गेल रहलन । मृत्यु होए वाला प्रहरी जवान सुभाष चौधरी बारा जिल्ला स्थित इलाका प्रहरी कार्यालय सिम्रौनगढमे कार्यरत रहलन ।
![]()
दुर्घटना बीतल रात भेल रहे । दुर्घटनामे मोटरसाइकल चलाईत रहल प्रहरी जवान चौधरीके मौत भेल जबकि हुकर घरबाली प्रहरी जवान निशा खड्काके स्वास्थ्य अवस्थामे उल्लेखनीय सुधार आएल इलाका प्रहरी कार्यालय सिम्रौनगढके प्रमुख प्रहरी निरीक्षक कृष्णदेव साह जानकारी देलन ।
![]()
जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके सूचना अधिकारी तथा प्रहरी नायब उपरीक्षक वसन्त गौतमके अनुसार फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके दुधिअवासे बालचनपुर ओर जा रहल ना २ त ४७८६ नम्बरके ट्रैक्टर आ विपरीत दिशा से आ रहल बागमती प्रदेश ०२–०५३ प ८२०२ नम्बरके मोटरसाइकल एक दोसरासे टकरा गेल रहे । दुर्घटनामे मोटरसाइकल पर सवार दुनू गोरा घायल भेल रहलन ।
![]()
दुनू जनाके उपचार लेल एम्बुलेन्ससे वीरगञ्ज स्थित बयोधा अस्पताल लेगेलन । अस्पतालमे उपचारके दौरान प्रहरी जवान सुभाष चौधरीके रातिए मौत हो गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक गौतम जानकारी देलन । घायल प्रहरी जवान निशा खड्काके उपचार के बाद स्वास्थ्य अवस्थामे सुधार आएल बतावल गेल हए । घटना के बारेमे आउर अनुसन्धान जारी रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

