रामअधार यादव, रौतहट, असोज ३० गते।
रौतहटके गुजरा नगरपालिका वडा नम्बर ४, जङ्गलसहियामे विजया दशमीके पावन अवसरपर शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए ।

रौतहट निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ३ के सांसद रविन्द्र पटेल ‘धिरज’ के प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित कार्यक्रममे आपसी सद्भाव, एकता, भाइचारा आ सामाजिक मेलमिलापके अउरी मजबूत बनावेके विषयपर जोर देले हए ।

कार्यक्रममे विजया दशमीके शुभकामना देइत सभके सुख, शान्ति, समृद्धि आ निरन्तर प्रगतिके कामना कएले हए ।

एह अवसरपर समाजमे आपसी सद्भाव आ भाइचाराके कायम रखेके लेल शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रमके निरन्तरता देवेके प्रतिबद्धतासमेत व्यक्त कएले हए ।


