सागर संगम ठाकुर, रौतहट, असोज २७ गते।
रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिका–९, धरहरीमे अवस्थित श्री जय किसान नमुना माध्यमिक विद्यालयके अंग्रेजी विषयका शिक्षक रामानन्द प्रसाद यादव विद्यालय शिक्षाके गुणस्तर सुधार, शिक्षकके सम्मान आ स्थानीय तहमे होएला कहलगेल अनियमितताके निष्पक्ष छानबिन आवश्यक रहल बतएले छत् ।
शिक्षण पेसाके जौरे सामाजिक सेवा, कृषि आ कलाकारितामे रुचि राख्ते आएल शिक्षक यादव देशके दीर्घकालीन विकासके लेल शिक्षा आ व्यावहारिक सीपके प्राथमिकता दिबेमे जोड देले छत।
मंगरके बज्जिकाञ्चल एफएम ८९.२ मेगाहर्जके ‘बज्जिकाञ्चल बहस’ कार्यक्रममे प्रस्तोता सागर संगम ठाकुर जौरेके अन्तर्वार्तामे यादव विद्यालयमे दिवा खाजा कार्यक्रमके कार्यान्वयन आ विद्यार्थीके वास्तविक उपस्थितिसम्बन्धी विवरणमे पारदर्शिता आवश्यक रहल बतएलन ।
शिक्षक यादव कुछ स्थानीय तहमे विद्यार्थी सङ्ख्यासे बेसी विवरण देखाके बजेट दुरुपयोग होरहल आरोप लगएलन । अईसन विषयमे सम्बन्धित निकाय तथ्यके आधारमे अनुगमन आ छानबिन करेके परि हुनकर धारणा हए ।

हुन शिक्षकके हकहित आ शिक्षामे सुधारके लेल काठमाडौँकेन्द्रित आन्दोलनमे सहभागी भेलापर देले अभिव्यक्ति सामाजिक सञ्जालमे व्यापक रूपमे फैलल से बात बतएलन ।
हुनकाराके अनुसार शिक्षकके सम्मानजनक व्यवहार करेके साथै उसबके समस्या सुनके समाधान खोजेके राज्यके दायित्व हए ।
यादव शिक्षकके दण्डित करेके वा अपमान करेके प्रवृत्ति से उसबके पेसागत मर्यादा कायम राखईत शिक्षाके गुणस्तर सुधारमे केन्द्रित होएके परि धारणा राखलन ।
शिक्षकके सम्मान आ विद्यार्थीके सिकाइके जौरे जौर अगाडी बढाबे सकलापर मात्र विद्यालय शिक्षामे सकारात्मक परिवर्तन सम्भव होएके हुनकर कथन हए ।

सरकारप्रति आशावादी यादव
राजनीतिक नेतृत्वके कार्यशैलीबारे आलोचनात्मक धारणा रखइत आएल यादव वर्तमान सरकारके प्रति आशाबादी रहल बतएलन ।
देशमे विद्यमान समस्या समाधान करेला स्पष्ट दृष्टिकोण, इमानदारी आ प्रभावकारी कार्यान्वयन आवश्यक रहल उनकर कथन हए ।
हुन कौनो भी व्यक्ति वा सरकार पूर्ण नहोएके उल्लेख करईत जनताके अपेक्षाअनुसार काम करे सकलापर मात्र शासनप्रति विश्वास बढेके बतएलन ।
शिक्षा, स्वास्थ्य, रोजगारी आ सामाजिक न्यायके क्षेत्रमे सुधार ल्याबेला सरकारके मुख्य प्राथमिकता होएके परि हुनकर धारणा हए ।

शिक्षणके जौरे कलाकारितामे भी यादवके रुचि
यादवके रुचि शिक्षण आ सामाजिक सेवामे मात्र सीमित नहए । हुन कलाकारितामे भी चासो रखइअ ।
जीवनके रङ्गमञ्चसे तुलना कईत हुन अवसर मिलला विभिन्न भूमिकामे अभिनय करेके लेल अपने तयार रहल बतएलन ।
हुनकाराके अनुसार कलाकारिता मनोरञ्जनके माध्यम मात्र न बलकी समाजके सन्देश दे सकेबाला प्रभावकारी माध्यम रहल बतएलन ।

सामाजिक विषयवस्तुके कलामार्फत प्रस्तुत कएलापर आदमीमे सकारात्मक सोच आ सामाजिक चेतनाके विकास कर सकेके हुनकर विश्वास हए ।
विद्यार्थीके सफलता ही शिक्षकके उपलब्धि
अपन जीवनके उपलब्धिबारे चर्चा करईत यादव अपने पढएले बहुते विद्यार्थी विभिन्न क्षेत्रमे स्थापित भेलासे सन्तुष्टि व्यक्त कएलन ।
विद्यार्थीके क्षमता पहिचान कके उसबके सही मार्गदर्शन देनाई शिक्षकके महत्त्वपूर्ण जिम्मेवारी भेल हुनकर कहनाम हए ।

हुन अपन एकलौता एक्लो बेटा १९ वर्षके ही उमेरमे प्रदेश लोक सेवा आयोगअन्तर्गत नायब सुब्बा पदमे नाम निकालके सरकारी सेवामे काम कररहल जानकारी देलन ।
शिक्षकके इमानदारी, मेहनत आ व्यवहारसे विद्यार्थी आ अपन सन्तानके भविष्य निर्माणमे प्रभाव पारेके उनकर धारणा हए ।
यादव अपन परिवार, विद्यार्थी आ समाजमे सुख, शान्ति आ इमानदारी कायम रहो कहके् चाहना व्यक्त करईत नेपाल भी अमेरिका आ जापान जईसन विकसित देशसे सिखके विकासके रास्तामे अगाडी बढेके परि बतएलन ।
समाजसेवासे पहिले शिक्षा ही प्राथमिकता
अन्तर्वार्ताके अन्त्यमे राखल छोट प्रश्नमे यादव शिक्षा आ समाजसेवामध्ये शिक्षाके पहिल प्राथमिकता देबेके बतएलन
शिक्षित भेलापर मात्र व्यक्ति समाजके महत्त्व बुझेके प्रभावकारी रूपमे सेवा कर सकी हुनकर तर्क हए ।

विद्यार्थीके कौन भाषामे पढाबेके छाही प्रश्नमे हुन विद्यार्थी जबन भाषा सहज रूपमे बुझी , उहे भाषाके शिक्षणमे उपयोग होएके परी धारणा राखलन । अंग्रेजी सिखएलापर भी विद्यार्थीके बुझाइ आ भाषिक क्षमताके ध्यान देबेके परी हुनकर कथन बा ।
यादव गुणस्तरीय शिक्षा, सामाजिक उत्तरदायित्व, इमानदार नेतृत्व आ व्यावहारिक सीप विकाससे देश निर्माणके मुख्य आधारके रूपमे प्रस्तुत कएले बतएलन ।

