रामअधार यादव, रौतहट, असोज १९ गते ।
रौतहट जिल्लाके प्रसिद्ध व्यापारिक बजार कटहरियामे टेम्पु आ ई–रिक्सा जथाभावी पार्किङ करेके प्रवृत्तिसे मुख्य बजार क्षेत्रके सड़क आवागमन अस्तव्यस्त बनएल हए । सड़क आ बजार क्षेत्रमे टेम्पु–ई–रिक्सा पार्किङ करलासे बजारमे आवेवाला सेवाग्राही, पैदल यात्री, साइकल आ मोटरसाइकल चालकके आवतजावतमे समस्या होखेके साथे दुर्घटनाके जोखिम सेहो बढ़ल हए ।

मुख्य बजारके सड़कमे यात्रु चढ़ावे–उतारे आ टेम्पु तथा ई–रिक्सा लम्बा समयतक पार्किङ करलासे सड़क साँघुर होखेके स्थानीय व्यापारीसभके कहनाम हए । एहिसे पैदल यात्री, साइकल, मोटरसाइकल आ अन्य सवारीसाधन एक्के जगहसे आवतजावत करेके पड़ला पर बारम्बार ठोक्किनाइ आ दुर्घटना होएसे अवस्था बनल हए, स्थानीयसभ गुनासो कएले हए । स्थानीय बजार व्यापारीसभ टेम्पु चालकसभके सड़कमे जथाभावी पार्किङ न करेके लेल बार बार आग्रह करईत आएल हए मुदा समस्या समाधान नहो सकल बतएले हए ।

चालकसभके लेल तोकल अथवा व्यवस्थित पार्किङस्थलके अभाव आ यात्रु चढ़ावे–उतारेमे सहजता होईत कारण मुख्य सड़क आ बजार क्षेत्रमे सवारी रोकल जाए रहल बतएले गेल हए । स्थानीयसभके अनुसार अहाँतक बड़का दुर्घटना होएसे बचल गेल हए, मुदा बजारमे दैनिक रूपसे बनएले रहल ई अव्यवस्थित अवस्थासे कोनो समय गम्भीर दुर्घटना हो सकेके जोखिम बढ़ल हए ।

बजार क्षेत्रमे बढल सवारी चापके व्यवस्थित करेके लेल टेम्पु तथा ई–रिक्साके लेल अलग पार्किङस्थल तोकेके, यात्रु चढ़ावे–उतारेके स्थान निर्धारण करेके आ मुख्य सड़कमे जथाभावी पार्किङपर रोक लगावेके स्थानीय व्यापारी आ सर्वसाधारणके माग हए । सम्बन्धित स्थानीय तह, ट्राफिक प्रहरी तथा अन्य सरोकारवाला निकाय समयमे ध्यान देके बजार क्षेत्रके पार्किङ व्यवस्थापन करेके स्थानीयसभके कहनाम हए । बजारके सड़कके व्यवस्थित आ सुरक्षित बनावेके लेल प्रभावकारी अनुगमनके साथे नियमके कड़ाइसे कार्यान्वयन करेके आवश्यकता देखले हए ।

